मधेशके सब सक्रिय पत्रकारके बीमा होयत


जनकपुरधाम । मधेश प्रदेश सरकार आगामी आर्थिक वर्षमे प्रदेशक सब सक्रिय पत्रकार सबके बीमा करबाक बात बताओल गेल अइछ ।
प्राधिकरणद्वारा मङ्गल दिन नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषा शाखाक शास्त्री सभाहलमे आयोजित कार्यालयके गतिविधि सार्वजनिकीकरण कार्यक्रममे उक्त विषयमे जानकारी देल गेल अइछ । कार्यक्रममे बाजैत प्राधिकरणक अध्यक्ष श्यामसुन्दर यादव चालु आर्थिक वर्षमे बजेट अभावके कारण पत्रकार महिला सबहक लेल बीमा कार्यक्रम प्रभावित भेल यद्यपी आगामी आर्थिक वर्षक लेल प्रस्तुत कएल गेल बजेटमे मधेश प्रदेशक सम्पूणर् सक्रिय पत्रकारके लेल एक लाखके स्वास्थ्य बीमा आ सात लाखके दुर्घटना बीमाके लेल पर्याप्त बजेट ३० लाख रुपैयाँ विनियोजन कएल गेल जानकारी देलक ।
आगामी आर्थिक वर्षके प्रारम्भेस’ प्रेस प्रतिनिधि परिचयपत्र, पत्रकारिता अध्ययन छात्रवृति, खोज पत्रकारिता सम्बन्धि अनुसन्धान, सञ्चार डायरी, अनलाइन मिडिया सबके लेल लोककल्याणकारी विज्ञापन, सञ्चारकर्मी तथा सञ्चारमाध्यम सबके लेल सबलिकरण सम्बन्धी कार्यक्रमसब अगाडि बढेबाक बात अध्यक्ष यादव बतौलक । सञ्चारमाध्यम सबके अवस्था अत्यन्त कमजोर रहल कहैत ओ लोककल्याणकारी विज्ञापनके लेल विनियोजित बजेट कम रहल सुझाव एलाक बाद मुख्यमन्त्री, गृह, सञ्चार तथा कानुन मन्त्री आ अर्थमन्त्रीद्वारा बजेट थप करबाक प्रतिवद्धता व्यक्त कएल गेल जानकारी देल गेल अइछ ।
प्रमुख अतिथि गृह, सञ्चार तथा कानुन मन्त्रालयके सचिव वीरेन्द्र कुमार यादव कानुनी जटिलता आ कर्मचारी अभावके कारण आमसञ्चार प्राधिकरणके कतिपय काम सब प्रभावित होइत आइब रहलाके कारण अविलम्ब समाधान कएल जेबाक प्रतिवद्धता व्यक्त कएल गेल अइछ । सञ्चार क्षेत्रमे परिणाममुखि आ अनुभूती होयबाला कामसब आगू बढाबए प्राधिकरण आ काउन्सिलके सुझाव देलक ।
कार्यक्रममे प्राधिकरणद्वारा एखनधइर कएल गेल गतिविधिसबके विषयमे प्रशासकीय प्रमुख जय कुमार राउत चालु आर्थिक वर्षमे आमसञ्चार प्राधिकरणद्वारा प्रदेशका पत्रपत्रिका, टेलिभिजन, एफएम रेडियो गरी २४२ सञ्चारमाध्यमके लोककल्याणकारी विज्ञापन उपलब्ध कराओल जा रहल जानकारी देल गेल अइछ । कार्यक्रममे मिडिया काउन्सिलक कार्यवाहक अध्यक्ष कैलाश दास, नेपाल पत्रकार महासंघक प्रदेश अध्यक्ष राजेश कणर्, प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी राम भरत साह, वरिष्ठ पत्रकार विश्वमणि खनाल, पत्रकार महासंघ धनुषाक उपाध्यक्ष अवधेश कामत सुझाव सहित प्रस्ततिकरण उपर टिप्पणी कएलक । कार्यक्रममे अधिकृत सन्तोष कुमार साह सञ्चालन तथा कम्प्युटर अधिकृत प्रसन्न राज कर्ण स्वागत मन्तब्य व्यक्त कएने छल ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको