
जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशके बजेट पुनर्लेखन सहितके माग राखैत चाइर पार्टीक संसदीय दलक नेतासबद्वारा मुख्यमन्त्रीके ज्ञापनपत्र बुझाओल गेल अइछ ।
गत अषाढ १ गते मधेश प्रदेश सभामे पेश भेल आर्थिक वर्ष २०८१-०८२ के बजेट त्रुटिपूणर् रहल कहैत मुख्यमन्त्री आ मन्त्रीसब स्वयम् स्वीकार कइर चुकलाके कारणें बजेट पुर्नलेखन करए माग कएल गेल अइछ । मधेश प्रदेश सभामे नेपाली कांग्रेस संसदीय दलक नेता कृष्णप्रसाद यादव, जनता समाजवादी पार्टी नेपालका संसदीय दलक नेता सरोजकुमार यादव, लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टीक प्रमुख सचेतक रानीकुमारी शर्मा, राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीक संसदीय दलक नेता कञ्चन बिच्छद्वारा संयुक्त हस्ताक्षरित ज्ञापनपत्र मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंहके बुझाओल गेल अइछ । पुनर्लेखन कइरके बजेट प्रदेश सभामे विचार विमर्श कराएक सेहो माग कएल गेल अइछ ।
अषाढ १३ गते मुख्यमन्त्रीक कार्यकक्षमे बैसल सर्वदलीय बैठकमे मुख्यमन्त्री, अर्थमन्त्रीस’ प्राप्त जानकारी अनुसार पीएलएमबीआइएस ह्याकरसबस’ ह्याक कइरके कार्यक्रम तथा बजेट प्रविष्ट कएल गेल तथा बजेट त्रुटिपूणर् सेहो रहल मुख्यमन्त्री आ मन्त्रीसब स्वीकार कइर चुकल जनाओल गेल अइछ । बजेटके विषयमे सत्यतथ्य पत्ता लगाबए संसदीय छानविन समिति गठन, बजेट पुर्नलेखन कइरके प्रदेश सभामे छलफल कइर बजेट पुर्नलेखन, सब संसदीय क्षेत्रमे सन्तुलित बजेट कायम होयबाक माग संसदीय दलक नेतासबद्वारा माग कएल गेल अइछ ।