
काठमाण्डू । सोमक मध्य राइतमे नेकपा एमाले अध्यक्ष केपी शर्मा ओलीक नेतृत्वमे नवका सरकार गठन करबाक बड्का दल बीच सहमती भेलाक उथलपुथल शुरु भेल अइछ ।
नेपाली कांग्रेस आ नेकपा एमाले बीच सहमतीमे सरकार बनेबाक निणर्य भेलाक बाद पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड नेतृत्वके सरकारमे रहल मन्त्री सब राजिनामा देबाक तैयारी क रहल अइछ । मन्त्रीसब राजिनामा देलाक बाद नबका सरकार गठनके प्रक्रिया शुरु होयबाक बात बताओल गेल अइछ ।
एमालेका प्रमुख सचेतक महेश बर्तौलाक अनुसार मन्त्री सबहक राजिनामाक बाद प्रधानमन्त्री प्रचण्ड आइये साँझ धइर राजीनामा द देबाक आश कएल गेल अइछ । नेपाली कांग्रेस सहमति आ नवका सरकार गठनके विषयमे सलाह बिचार करबाक लेल पदाधिकारी बैठक बजाओल गेल अइछ ।