मोहित करैत पुरनदहाके ‘कल्चरल भिलेज’ (देखू तस्वीर)


जनकपुरधाम । एकटा एहन ठाम । जइठाम पहुँचलाक बाद मनोरम वातावरण, मौलिक खानपान, ग्रामिण परिवेशक झलक । मोहित करैवाला परिवेश एवम् स्वादिष्ट खानपान । हँ, अइ ठामक विषयमे कौतुहलता भेनाइँ स्वाभाविक छै । जनकपुरधामस’ उत्तर पूबमे १२ किलोमिटरके दुरीमे अवस्थित मिथिला विहारी नगरपालिका-२ पुरनदहामे अइछ ‘कल्चरल भिलेज’ ।
मिथिलेश्वर चोकस’ पछिम परम्परागत शैलीके कायम राखैत सञ्चालनमे आएल रिसोर्ट सबहक दिल जितैत जा रहल अइछ । सहरबजारमे रहैत आएल लोकसब अइठाम एलाक बाद मिथिला मधेशक रहन सहनसँगे परम्परागत खानपानक परिकार अइठामक विशेषता रहल सञ्चालक देबनारायण मण्डलके कहब छै ।
हुनकर कहब अनुसार कल्चरल भिलेजमे पोखैर, रिसोर्ट, बागवानी, तरकारी, सभाहल, बगैँचासहित रात्रीबासके लेल फुसक घरमे उत्तम सुविधा उपलब्ध अइछ । कल्चरल भिलेजमे आगन्तुक सब पोखैरमे बन्सीमे माछ माइरके अपने बनाकए खाइके ब्यवस्था सेहो रहल अइछ ।
तहिना रात्री बासमे अतिथिके लेल झिझिया, झरीलगायतका नाचगान सेहो देखाओल जा रहल जानकारी सञ्चालक मण्डल देने छइथ । हुनक अनुसार कमसेकम १० गोटा आगन्तुक भेलाक बाद नाचगान देखाएल जाइत अइछ । कल्चरल भिलेजमे जैविक खेतीके तरकारी, दाइल सहित अन्य परिकारसब तैयार कएल जाइत अइछ । शाकाहारीके लेल दाइल, भात, अचार, पापड, तिलौरी, तिसौरी, बिरिया, कुम्हरौरी, अदौरी, पुदिनाक अचार, धनियाँक चटनीसहितके परिकारसब उपलब्ध होइत आइब रहल मण्डल जानकारी देलक ।
चाय, कफी, छनकाके लेल माइटक बर्तन प्रयोग कएल जाइत अइछ । आगन्तुक सबके गामक पुरना परिवेशके अनुभूति करेबाक लेल बयल गाडीपर चढाकए घुमाबैक व्यवस्था रहल सञ्चालक मण्डलद्वारा जानकारी देल गेल अइछ । मधेश प्रदेश एकटा उदाहरणीय एवम् मनोरम ठामके रुपमे ई रिसोर्ट स्थापित भ रहल अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको