
दिपक कुमार यादव
राजविराज । विगत किछ दिन एम्हर मधेश प्रदेशक जिलासबमे निरन्तर वर्षाके कारण कतौ तबाही मचल अइछ त कतौ खेती किसानीके काज आगाँ बढल अइछ ।
अइबेर मनसुन अषाढक तेसरे सप्ताहमे प्रवेश कएलाक कारणें मधेश प्रदेशक जिलासबमे निरन्तर वर्षा भ रहल अइछ । वर्षाके कारण कतेको ठाम पुल भसियाएल अइछ त कतेको ठाम सडक आ खेत सेहो कटानमे परल अइछ । कतेको ठाम रोपल खेत डुबानमे परल अइछ । बहुत गामबस्ती सब डुबानमे परल अइछ । यद्यपी बहुत ठामक किसान सब वर्षाके आनन्द लैत खेती किसानीके काममे जुटल अइछ ।
पाइन पइर रहल अवस्थामे छाता, घोघी, झिल इत्यादीके सहारा ल कए धान रोपएमे जुटल अइछ । प्रचण्ड गर्मीक बाद झिहिर झिहिर पइर रहल पाइनके आनन्द लैत अधिकांश लोकसब कृषि कर्ममे जुटल अइछ । झिहिर झिहिर पाइनमे कोदाइर पारनाइँ, हर जोतनाइँ, बिया उखाड्नाइँ आ रोपनाइँके आनन्द सेहो अलग रहल किसान सब अनुभूति व्यक्त करैत छइथ ।
कृषि तथा पशुपन्छी मन्त्रालयके तथ्यांक अनुसार अइ आर्थिक वर्षक असार २३ गतेधैरके नेपालक तथ्यांक अनुसार ३९ प्रतिशत धान रोपाइ भ च्कल अइछ । कोशी प्रदेशमे २७ लाख ६ हजार ३८६ हेक्टर धान रोपाइ होयबाला क्षेत्रफलमध्ये ९५ हजार १७० हेक्टरमे अर्थात् ३४.४ प्रतिशत धान रोपाइ भेल अइछ । मधेश प्रदेशमे ३८ लाख तीन हजार १५० मध्ये ९७ हजार ८५१ हेक्टर जमिनमे २५.५ प्रतिशत धान रोपाइ सम्पन्न भ चुकल अइछ ।
बागमती प्रदेशमे ११ लाख चार हजार ५६१ मध्ये ४६ हजार ४४ हेक्टरमे ४०.२ प्रतिशत, गण्डकीमे ९६ हजार ५३ मध्ये ४७ हजार ७३३ हेक्टरमे ४९.७ प्रतिशत धान रोपाइ भेल अइछ ।
तहिना लुम्बिनीमे तीन लाख ११ हजार ६४३ मध्ये एक लाख ३८ हजार ३६४ हेक्टरमे ४४.४ प्रतिशत, कर्णालीमे ४१ हजार ९०४ मध्ये १९ हजार ९०४ हेक्टरमे ४७.५ प्रतिशत आ सुदूरपश्चिम प्रदेशमे एक लाख ७४ हजार ५७६ मध्ये एक लाख ५० हजार ६२ हेक्टरमे ८६ प्रतिशत धान रोपाइँ भेल अइछ ।
मन्त्रालयके सहसचिव एवम् प्रवक्ता डा. हरिबहादुर केसीके अनुसार अइ वर्ष अषाढके अन्तिम धैर ६० स ७० प्रतिशत धैर रोपाइ होयबाक अनुमान कएल गेल अइछ । पौर साल मधेशमे अत्यन्त वर्षा भेलाक कारण कम रोपाइ भेल छल । यद्यपी अइबेर समयेमे वर्षा होइत आइब रहल अइछ । हुनक कहब अनुसार कोशी आ मधेश प्रदेशमे धान रोपाइ विलम्ब शुरु भेल अइछ ।
नेपालमे रोपाइ होयबाला क्षेत्रफल १३ लाख ९८ हजार २७३ हेक्टर रहल अइछ । जइमध्ये साढे पाँच लाख हेक्टरमा धान रोपाइ होइत आइब रहल अइछ । मधेश प्रदेशक भूमि व्यवस्था कृषि तथा सहकारी मन्त्रालयक अनुसार मधेशमे चालु आर्थिक वर्षमे १२ लाख ९६ हजार ६ सय ७ मेट्रिक टन धान उत्पादन भेल छल । प्रदेशक आठो जिलामे जम्मा ३ लाख ७० हजार ३५० हेक्टर क्षेत्रफलमे धान रोपाइ कएल गेल छल । तस्वीरः श्यामसुन्दर पथिक