प्रधानमन्त्री पदस’ मुक्त भेल प्रचण्ड


काठमाण्डू । नेपाल सरकारक प्रधानमन्त्रीके जिम्मेवारीमे रहल पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड पदमुक्त भेल अइछ ।
प्रतिनिधि सभामे विश्वासके मत लेबाक प्रस्ताव बहुमतस’ अस्वीकृत भेलाक बाद प्रधानमन्त्री प्रचण्ड पदमुक्त भेल अइछ । नेकपा एमाले अपन समर्थन फिर्ता लेलाक बाद प्रधानमन्त्री प्रचण्ड संविधानक धारा १०० (२) अनुसार विश्वासके मत मागने छल ।
प्रधानमन्त्री प्रचण्डके पक्षमे ६३ मत प्राप्त भेल छल । विपक्षमे १९४ मत परल छल । तटस्थ मत १ मत रहल छल । शुक्र दिनके बैठकमे २५८ टा सांसदके उपस्थिति रहल छल । कल २ सौ ७५ सदस्यीय प्रतिनिधि सभामे बहुमतके लेल १३८ मत आवश्यक छल ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको