
जनकपुरधाम ।अमेरिकाके पूर्वराष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प उपर रैब दिन भोरमे गोली प्रहार भेल अइछ ।
पेन्सिल्वेनियामे आयोजित एक ¥याली कार्यक्रममे ट्रम्प उपर गोली प्रहार भेल अइछ । गोली प्रहारस’ ट्रम्पके चेहरा आ कानमे चोट लागल अइछ । गोली प्रहारस’ घायल भेल ट्रम्पके गुप्तचरसब लगमे रहल अस्पतालमे इलाजके लेल ल गेल अइछ । गोलीस’ कान आ चेहराक चमडीमे घाउ भेल अइछ ।
सामाजिक सञ्जाल ‘ट्रूथ सोशल’ मे सन्देश लिखैत ट्रम्प ‘सकुशल छी’ आ स्थानीय स्वास्थ्य संस्थामे ईलाज भ रहल अइछ । ओइ घटनाके सन्दिग्ध एक व्यक्तिके ‘यूएस सिक्रेट सर्भिस’के अधिकारीसबद्वारा गोली माइरके हत्या क’ देल गेल बीबीसी जनौलक अइछ ।
तस्वीरः सामाजिक सञ्जाल”

Republican presidential candidate former President Donald Trump is helped off stage by U.S. Secret Service agents at a campaign rally, Saturday, July 13, 2024, in Butler, Pa. (AP Photo/Evan Vucci)

Republican presidential candidate former President Donald Trump is surrounded by U.S. Secret Service agents at a campaign rally, Saturday, July 13, 2024, in Butler, Pa. (AP Photo/Evan Vucci)