ओली बनल प्रधानमन्त्री, गठन भेल २२ सदस्यीय मन्त्री परिषद्


काठमाण्डू । नेपालक राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल समक्ष नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी एमालेक अध्यक्ष खड्ग प्रसाद ओली (केपी) सोम दिन प्रधानमन्त्रीक रुपमे पद तथा गोपनीयताको शपथ ग्रहण कएलक अइछ ।
राष्ट्रपति भवनमे आयोजना कएल गेल विशेष समारोहमा ओली चारिम बेर प्रधानमन्त्री पदके शपथ ग्रहण कएलक अइछ । संसद्के सबस’ नम्हर दल नेपाली काँग्रेसके समर्थनमे  प्रधानमन्त्री बनल अइछ । अइसँ पूर्व २०७८ अषाढ २९ गते ओ प्रधानमन्त्री पदसँ मुक्त भेल छल ।
शपथ ग्रहण समारोहमे उपराष्ट्रपति रामसहाय यादव, पूर्व प्रधानमन्त्री एवम् नेपाली काँग्रेसक  सभापति शेरबहादुर देउवा सहित विशिष्ट व्यक्तित्वसब समारोहमा उपस्थिति छल।
तहिना प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली २२ सदस्यीय मन्त्रिपरिषद सेहो गठन कएलक अइछ । नवनियुक्त मन्त्रीसबके राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलले पद तथा गोपनियताको शपथ ग्रहण कराओने छल । ओली नेतृत्वक सरकारमे प्रकाशमान सिंह, उपप्रधान तथा सहरी विकास, विष्णु पौडेल, उपप्रधान तथा अर्थ, पृथ्वीसुब्बा गुरुङ, सञ्चार तथा सूचना मन्त्रालय, रमेश लेखक, गृह, शरतसिंह भण्डारी, श्रम तथा रोजगार, आरजु राणा देउवा, परराष्ट्र, नवलकिशोर साह सुडी, महिला बालबालिका, बलराम अधिकारी, भूमि व्यवस्था तथा सहकारी, दामोदर भण्डारी, उद्योग वाणिज्य तथा आपूर्ति, देवेन्द्र दाहाल, भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात, तेजुलाल चौधरी, युवा तथा खेलकुद, प्रदीप यादव, खानेपानी, प्रदीप पौडेल, स्वास्थ्य, अजय चौरसिया, कानुन न्याय तथा संसदीय मामिला, बद्री प्रसाद पाण्डे, पर्यटन, रामनाथ अधिकारी, कृषि, विद्या भट्टराई, शिक्षा विज्ञान तथा प्रविधि, मानवीर राई, रक्षा, दीपक खड्का, जलस्रोत तथा ऊर्जा, राजकुमार गुप्ता, संघीय मामिला तथा सामान्य आ ऐनबहादुर शाही ठकुरी, वन तथा वातावरण रहल अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको