साहित्यकार एवम् पत्रकार अशोकके कर्मयोगी लखनराम सेवा सम्मान 


जनकपुरधाम । धनुषा जिलाक जकपुरधाम निवासी चर्चित साहित्यकार एवम् पत्रकार अशोक दत्त कर्मयोगी लखनराम सेवा सम्मान-२०२४ सँ सम्मानित करबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।
वरिष्ठ पत्रकार सीताराम अग्रहरि अपनं पिता स्व. लखनराम अग्रहरिक स्मृतिमे उक्त पुरस्कार स्थापना कएने छइथ । बहुमुखि प्रतिभाक धनी संघर्षशील मैथिली साहित्यकार गीतकार, पत्रकार, लेखक, फिल्म कथा एवम् सम्वाद लेखक तथा राष्ट्रीय क्रिकेट खेलाडी दत्तके अइबेर सम्मानित कएल जेबाक निणर्य लेल गेल पुरस्कारक संस्थापक अग्रहरि जानकारी देने छइथ । पत्रकार एवम् साहित्यकार दत्त विगत किछ महिना एम्हर  क्यान्सरस’ लडैत आइब रहल छइथ ।
डेढ बरिषक उमरमे दादाजीक निधन पश्चात् पिताजी लखनरामके जीवनमे बहुत पीडादायी क्षणके सामना करए परल छल । कलम पकरएवाला हाथ काममे लागए परबाक बाध्यात्मक अवस्था झेलए परल छल । कहियो हरेस नइँ खेनाइँ आ  सदैव आगू देखनाइँ आ दर्शनमे विश्वास कएनिहार कर्मयोगी पिताजीक स्मृतिमे  ई पुरस्कार स्थापना कएल गेल ओ बतौलैन ।
सङ्घर्ष जीजिविषाक पर्याय, लेखनके जीवन वृति बनबैत समाजक उन्नयनमे उल्लेखनीय भूमिका निर्वाह कएनिहार दत्तके सम्मानित करबाक निर्णय करैत अपनाके खुशी महशुष करिरहल समितिक अध्यक्ष अग्रहरि आ सहअध्यक्ष मधुदेवी अग्रहरि प्रतिक्रिया देने छइथ । अपन पिताक स्मृति दिवसके दिन एक समारोहक बीच उक्त सम्मान प्रदान कएल जाएत ।
वरिष्ठ पत्रकार अग्रहरि गोरखापत्र राष्ट्रीय दैनिकक महाप्रबन्धक एवम् प्रधान सम्पादक सेहो रइह चुकल छइथ । ओ वर्तमानमे सेहो पत्रकारिताक अतिरिक्त साहित्य लेखनमे सक्रिय रहैत आएल छइथ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको