
काठमाण्डू । जनता समाजवादी पार्टी, नेपालका अध्यक्ष उपेन्द्र यादव संविधान पुनर्लेखन, संशोधन, परिमार्जन आवश्यक रहल बतौलक अइछ ।
प्रतिनिधि सभामे रैब दिन प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीके पक्षमे मतदान करबाक जानकारी करेबाक क्रममे ओ अइ बातमे जोर देलक अइछ । संविधान घोषणा भ रहल समयमे मेचीस’ महाकालीधैर जनता कारी दिवस मनौने चर्चा करैत ओ कहलक ‘जनता उपर गोली बर्साकए जनता माइरके घोषणा कएल गेल संविधान पूर्ण नइँ अइछ ।’
तीन सौ स बेसी संशोधन प्रस्तुत भेलाक बादो संशोधन नइँ कइरके जबरदस्ती घोषणा कएल गेल अध्यक्ष यादव बतौलक । शासकीय स्वरूप, निर्वाचन प्रणाली, न्याय प्रणाली, प्रादेशिक संरचना आ क्षेत्राधिकारके विषयमे संविधान संशोधन आवश्यकता अइछ ।
देशक राजनीतिक अवस्थाप्रति चिन्ता व्यक्त करैत ओ कहलक ‘बड्का दल सबहक संयुक्त सरकार असफल भेल, दिर्घकालिन सहकार्य नइँ भेल त तकर बादके विकल्पसब कतेक दुःखद् आ पीडादायी होयत, देशमे बड्का सङ्कट आइब सकै य ।’ देशमे बड्का सङ्कट नइँ आबै तैं संविधान संशोधनके सवाल महत्वपूणर् रहल अध्यक्ष यादव बतौलक । राजनीतिके अपराधिकरण आ अपराधिकरणके राजनीतिकरण भ रहल चर्चा करैत अनेको काण्डसबके संरक्षण नइँ होय आ देशमे सुशासन, समृद्धि कायम होय से विचार व्यक्त कएलक ।