
काठमाण्डू । सौर्य एयरलाइन्सके सीआरजे ७ (रजिस्ट्रेसन–९ एनएएमई) नम्बरके जहाज दुर्घटनामे एके परिवारके तीन सहित १८ गोटाके मृत्यु भेल अइछ ।
काठमाण्डू स्थित त्रिभुवन अन्तराष्ट्रीय विमानस्थलमे दुर्घटना भेल जहाजमे सवार प्राविधिक मनुराज शर्मा, धर्मपत्नी प्रिजा खतिवडा आ ५ वर्षक बेटा अधिराज शर्मा रहल अइछ । मृतक तीनु गोटा नेपाल पत्रकार महासंघ शाखा सप्तरीक पूर्व अध्यक्ष प्रकाश खतिवडाके बेटी, जमाय आ नाइत छल । बेटी–जमाय सङ्गे काठमाण्डूमे खतिवडा आ हुनक धर्मपत्नी उषा खतिवडा रहैत आइब रहल छल । प्रिजा ऊर्जा मन्त्रालयमे कार्यरत छल ।
बुध दिन भोर ११.११ बजे काठमाण्डूस’ पोखराक लेल उडल छल । १९ गोटा सवार ओइ जहाजके १८ गोटाके मृत्यू भेल नेपाल नागरिक उड्ययन प्राधिकरणले जनौलक अइछ । जहाज त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलसँ उड्लाक लगत्ते दहिना बगलमे मोडाकए दुर्घटनाग्रस्त भेल जनाओल गेल अइछ ।
दुर्घटनाक बाद जहाजमे आइग लागल ओ ओहि क्रममे १८ गोटाके मृत्यु भएको प्राधिकरणद्वारा जनाओल गेल अइछ । गम्भीर घायल अवस्थामे जहाजके पाइलट मनिषरत्न शाक्यके काठमाडौँ मेडिकल कलेजमे इलाज भ रहल अइछ ।