मधेश लोकसेवा आयोगक अध्यक्षमे सिडिई शिवराम यादव


जनकपुरधाम । सिरहा नगरपालिका वाड नम्बर १३ गम्हरियाक ५८ वर्षीय इन्जिनियर शिवराम यादव मधेश प्रदेश लोकसेवा आयोगक अध्यक्षमे नियुक्त भेल छइथ ।
तीन दशकसँ सरकारी सेवामे मेकानिकलदिस सिनियर डिभिजनल इन्जिनियर (उपसचिव)के पदमे सडक विभागक काठमाडू स्थित हेभी इक्विपमेन्ट डिभिजनमे कार्यरत हुनका अध्यक्षमे नियुक्त कएल गेल अइछ ।
वि.सं. २०५० सालमे राजपत्रांकित तृतीय श्रेणी(इन्जिनियर)क योग्यताक्रममे पहिल नम्बरमे सिफारिस भेल छल । पञ्जाब विश्वविद्यालयके पञ्जाब इन्जिनियरिङ कलेज चण्डीगढस’ प्रथम श्रेणीमे बिई उतीर्ण कइर काठमाण्डू विश्वविद्यालय धुलीखेलस’ प्रथम श्रेणीमै एमई उतीर्ण कएने छइथ ।
अइस’ पहिने सिडिई यादव जनकपुर चुरोट कारखाना लिमिटेडक महाप्रबन्धक भेल छल । माग आपूर्ति फारम व्यवस्थापन, परीक्षा सञ्चालनके लेल पाठ्यक्रम निर्माण तथा परिमार्जन, परीक्षा पद्धतिक निर्माण तथा व्यवस्थापन, प्रश्नपत्रको निर्माण आ व्यवस्थापन सहितके विषयमे अनुभवी मानल जाइत अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको