
जनकपुरधाम । नेपालक चर्चित सङ्गीत गुरु गुरुदेव कामतके निधन भेल अइछ । सिरहा स्थित अपने घरमे बृहस्पति दिन भोर ८ बजे निधन भेल पारिवारिक श्रोत जनौलक अइछ । हुनक पुत्र समीर कामतके अनुसार ६९ वर्षीय कामतके जेठका बेटा कतारस‘ अन्त्येष्टि करबाक समीर जानकारी देल गेल अइछ । शास्त्रीय सङ्गीत क्षेत्रक नक्षत्र गुरुदेवके दुनू किड्नीमे समस्या देखल गेल छल । गत चैत महिनास’ बिमार रहैत आएल हुनका ईलाजमे अत्यधिक टका खर्च लागएबाला अवस्था एलाक बाद ओ सब परिवार जन्मस्थान सिराहाके पोखरभिन्डा आइबके रहैत आएल छल ।
घरेमे रइहके इायलासिस करबैत आइब रहल छल । बिमारीके कारण गम्भीर रहैत आएल ओ चाइर दिनस’ अन्न बाइर देने छल । नेपाली शास्त्रीय सङ्गीतमे विगत ४० वरिषस’ योगदान दैत आइब रहल छल । ओ काठमाण्डू स्थित चारखाल डिल्लीबजारमे गुरुकुल पाठशाला सञ्चालन करैत आइब रहल छल ।