मधेश प्रदेशमे पाँच राज्यमन्त्री थपः बीस सदस्यीय मन्त्री परिषद


जनकपुरधाम । मधेश प्रदेश सरकार पाँचटा राज्यमन्त्री थप करैत २० सदस्यीय मन्त्री परिषद बनौलक अइछ ।
नेकपा एमालेसँ भौतिक पूर्वाधार विकास राज्यमन्त्रीमे मो. जयद आलम, कांग्रेससँ भूमि व्यवस्था कृषि तथा सहकारी राज्यमन्त्रीमे रेखा ठाकुर, उर्जा सिंचाइ सरसफाइ तथा खानेपानी राज्यमन्त्रीमा निलम कुमारी रजकके नियुक्त कएल गेल अइछ । तहिना लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टीसँ शिक्षा तथा संस्कृति राज्यमन्त्रीमे रामबाबु यादव आ जनमत पाटीसँ उद्योग पर्यटन राज्यमन्त्रीमे शम्भु साहके नियुक्त कएल गेल अइछ ।
मधेश प्रदेशमे जम्मा १२ टा मन्त्रालय रहल अइछ । अइसँ पहिने ३ राज्यमन्त्री आ तकरबाद पाँचटा थप भेलाके बाद आठटा राज्यमन्त्री सहित मन्त्री परिषद्क संख्या २० भेल अइछ । ई संख्या एखनधैरके सबस’ बेसी रहल इतिहास कायम भेल अइछ । निवनियुक्त मन्त्री सबके मधेश प्रदेश मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह मंगल दिन शपथग्रहण करौलक अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको