बङ्गलादेशक अन्तरिम सरकारके नेतृत्व करत डा. युनुस


काठमाण्डू । बङ्गलादेशक अन्तरिम सरकारके नेतृत्व करबाक लेल नोबेल पुरस्कार विजेता प्राध्यापक डा. मोहम्मद युनुसके जिम्मेवारी देल गेल अइछ ।
बङ्गलादेशक निम्न वर्गको उत्थानके काज कएनिहार ८४ वर्षीय युनुसके अन्तरिम सरकारक नेतृत्व देबाक लेल विद्यार्थी नेतासबद्वारा आह्वान कएलाक बाद हुनका एहन जिम्मेवारी देल गेल अइछ । राष्ट्रपति मोहम्मद शाहबुद्दिन, सेना, नौसेना आ वायुसेनाक प्रमुखसब विद्यार्थी नेता सबसङ्गे  भेल बैठकमे एहन निर्णय कएल गेल अइछ ।
बैठकमे प्रोफेसर डा. मोहम्मद युनुसके प्रमुख बनाकए अन्तरिम सरकार गठन करबाक निर्णय कएल गेल साहाबुद्दिनक कार्यालय अइ विषयमे प्रेस विज्ञप्ति मार्फत जानकारी सार्वजनिक कएलक अइछ । ओ राजनीतिक सङ्कटसँ बाहर निकलए सहयोग करए जनतासँ आग्रह सेहो कएलक अइछ । युरोपमे रहल युनुस सेहो सरकारक नेतृत्व करबाक लेल ईच्छा जाहेर कएने समाचार एजेन्सी सब उल्लेख कएने अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको