मधेश सरकारस’ हटाओल गेल ८ राज्यमन्त्री


जनकपुरधाम । मधेश प्रदेश सरकारक मन्त्री परिषद पुनर्गठन भेलाक एको सप्ताह नइँ बितैत राज्यमन्त्री सबके हटेबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।
मधेश प्रदेश सरकारमे एखनधैरके मन्त्री परिषदमे सबस’ बेसी राज्यमन्त्री भेल कहैत चौतर्फी आलोचना भेलाक बाद आठो राज्यमन्त्रीके हटेबाक निर्णय कएल गेल मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह जानकारी देने छइथ । मुख्यमन्त्री सहित मन्त्री आ ८ राज्य मन्त्री समेत कइर गत साउन २२ गते २० सदस्यीय मन्त्री परिषद गठन कएल गेल छल ।
किछ दिन पहिने राज्यमन्त्री थप कएल गेल विषयमे मुख्यमन्त्री सिंहके ओ आवद्ध जनमत पार्टी स्पष्टिकरण पुछने छल । नवनियुक्त राज्यमन्त्रीसबके बर्खास्त करबाक प्रदेश प्रमुखके औपचारिक रुपमे पत्र सेहो पठाओल गेल जनाओल गेल अइछ ।
नवनियुक्त राज्यमन्त्रीसबमे रेखा ठाकुर, निलम कुमारी रजक, रामबाबु यादव, शम्भु साह आ मोहम्मद जैद आलम रहल छल । अइस’ पूर्व केशव राय, शारदा देवी थापा र रञ्जुकुमारी मण्डल खङ्ग राज्यमन्त्रीमे नियुक्त भेल छल ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको