
जनकपुरधाम । चर्चित गायिका अन्जु यादवके स्वर रहल ‘सोमेश्वरनाथ’ भक्ति गीतक भिडियो सार्वजनिक कएल गेल अइछ ।
सरोज मण्डलके शब्द आ शैलेन्द्र विश्वकर्माक सङ्गीत रहल उक्त भक्ति गीतक भिडियो जननी फिल्म्स नामक युट्युबसँ बृहस्पति दिन साँझ सार्वजनिक कएल गेल अइछ । लक्ष्मीनिया गाउँपालिका वाड नम्बर १ स्थित सोहनी धाममे अवस्थित सोमेश्वरनाथ महादेवक महिमा मण्डन तथा मन्दिरक आसपास क्षेत्रमे छायाङ्कन कएल गेल भिडियोमे बिनिता ऋषी आ शुभक यादव सहितके कलाकारसब अभिनय कएने छइथ ।
सोमेश्वरनाथ मन्दिरक प्रस्तुति रहल भिडियोमे निर्देशन राजु राजदेव चौधरी आ कोरियोग्राफी सञ्जय साह कएने भिडियोक परिकल्पनाकार हरिनारायण यादव जानकारी देने छइथ । हुनक कहब अनुसार क्यामेरा गणेश कुमार मण्डल, ड्रोन छायाङ्कन राजु सर्राफ तथा समन्वय रामबिनय यादव कएने छइथ ।
कर्णप्रिय गायन रहल ओही गीतक अडियो ट्रयाप नेपाल तथा भिडियो सम्पादन छिन्नमस्ता फिल्म्सद्वारा कएल गेल अइछ । मैथिली गायनमे चर्चित रहल गायिका अन्जु मैथिली, भोजपुरी, अवधी, मगही, राजवंशी, हिन्दी, थारु आ नेपाली भाषामे पाँच सौ स’ बेसी गीत गाओने छइथ । काठमाण्डूमे साधनारत ओ पैछला समय गायनमा बेसी सक्रिय भेल छइथ ।
देखू भिडिओः