सुदूर पश्चिममे प्रा. डा. विमलके प्रभास राज्यलक्ष्मी कृति पुरस्कार


जनकपुरधाम । जनकपुरधाम निवासी चर्चित साहित्यकार प्रा. डा. राजेन्द्र विमलकें प्रभास राज्यलक्ष्मी कृति पुरस्कार २०७९ सँ सम्मानित कएल जेबाक घोषणा भेल अइछ ।
सुदूर पश्चिमाञ्चल साहित्य समाजद्वारा हुनका १ लाख ११ हजार १ सौ ११ टका राशी सहित विशेष कार्यक्रमके बीच पुरस्कृत कएल जेबाक घोषणा कएल गेल अइछ । मिथिला मधेशक पावण धर्तीक अथक कलमवीर प्रा. डा. विमलके उत्कृष्ट कृति लेखन हेतु उक्त प्रतिष्ठित पुरस्कार देल जेबाक जनाओल गेल अइछ ।
आयोजकद्वारा प्राप्त जानकारी अनुसार तहिना बद्रीकृष्णा वाङ्मय पुरस्कार २०८० प्रा. डा. महादेव अवस्थी (बैतडी)के आ २०७९ के लेल श्रष्टा झमक कुमारी घिमिरेके विश्व नेपाली नारी महोत्सवमे पुरस्कृत कएल गेल अइछ । प्रभास राज्यलक्ष्मी कृति पुरस्कार २०८० यज्ञराज उपाध्यायके, श्री लोचन साहित्य पुरस्कार २०७९ रामचन्द्र नेपाल (कञ्चनपुर), आ वएह पुरस्कार २०८० के लेल माधव बियोगी (कास्की)के प्रदान कएल जेबाक घोषणा कएल गेल अइछ । सब पुरस्कारके राशी १ लाख ११ हजार १ सौ ११ टका रहल अइछ ।
मैथिली भाषा साहित्यमे योगदान हेतु विद्यापति पुरस्कार ‘प्रतिभा सम्मान २०२०, बाटुली खिलध्वज लघुकथा सम्मान–२०७७, वैद्यनाथ सियादेवी मैथिली पुरस्कार, संस्कृति तथा दर्शन प्रज्ञा पुरस्कार, नेपाली भाषामे अनेको ग्रन्थ रचना कए नेपाली भाषा साहित्यकेँ समृद्ध करबाक लेल हुनका ‘जगदम्बा–श्री २०६६‘ सँ सम्मानित कएल गेल अइछ ।
नेपाली प्रतिभा प्रतिष्ठान, बेलायत सेहो ‘प्रतिभा सम्मान २०२०’ सँ वरिष्ठ साहित्यकार तथा भाषा संस्कृतिविद् डा. विमलके सम्मानित कएने छल । तहिना जननायक विपी कोइराला स्मृति ट्रस्टद्वारा  विपी साहित्य सम्मान २०८० सँ सम्मानित भेल छल । तहिना काठमाण्डू, विराटनगर सहित विभिन्न स्थानमे हुनका नागरिक अभिनन्दन सेहो कएल गेल अइछ ।
हुनक जन्म सन् १९४७ मार्च २६ देवीचोक, जनकपुरधाममे भेल अइछ । ओ नेपाली, हिन्दी आ मैथिली विषयमा स्नातकोत्तर तथा भाषा विज्ञानमे पिएचडी कएने छइथ । डा. विमल वि.सं. २०२९ सालसँ त्रिभुवन विश्वविद्यालयमे नेपाली विषय अध्यापनरत छल । प्राध्यापन पेशास’ अवकाश भेलाक बादो ओ वर्तमानमे सेहो साहित्य सिर्जनामे सक्रिय रहैत आएल छइथ । हुनक साहित्य लेखन देशेमे विशिष्ट मानल गेल अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको