
काठमाण्डू । राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) मैथिली, नेपाल आ अवधी भाषामे निःशुल्क समाचार सेवा सुरु कएलक अइछ ।
राससका कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झाक अध्यक्षतामे सम्पन्न सञ्चालक समितिक बैठकस’ कात्तिक १३ गतेस’ समितिमे दर्ता होयबाला मैथिली, नेपाल आ अवधी भाषाके प्रकाशन तथा प्रसारणगृह (छापा, डिजिटल पत्रपत्रिका तथा श्रव्य एवम् श्रव्यदृश्य)के निःशुल्क समाचार सेवा उपलब्ध करेबाक निर्णय कएल गेल अइछ । मातृभाषाक प्रवद्र्धन करबाक उद्देश्यस’ पहिल चरणमे तीन भाषामे समाचार उत्पादन कइर वितरण प्रारम्भ भेल अइछ ।
निःशुल्क समाचार वितरणस’ प्रायः बन्द भेल आ हुने अवस्थामे रहल सञ्चारसंस्था अइस’ लाभान्वित होबाक अपेक्षा कएल रहल समितिक अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा जानकारी देलक । “मैथिली आ अवधी आर्य भाषा छियै । ई भाषा भारत सहित अन्य देशमे सेहो बाजल जाइत अइछ । मैथिली भाषा खास कइर मिथिला क्षेत्रक सङ्गे कोशी आ मधेश प्रदेशमे बाजल जायबाला मूल मातृभाषा हो । नेपालमे सबस‘ बेसी बाजाल जायबाला दोसर भाषा मैथिली छियै ।
अवधी लुम्बिनी प्रदेशक बाँके, बर्दिया, दाङ, कपिलवस्तु र सुदूरपश्चिम प्रदेशक कैलाली आ कञ्चनपुर जिलामे बाजल जाय छै । नेपाल भाषा देशक प्राचीन एवम् समृद्ध भाषा छियै । ई काठमाण्डू उपत्यका एवम् आसापास क्षेत्रक सिन्धुपाल्चोक, मकवानपुर, रामेछाप, काभ्रेपलाञ्चोक, म्याग्दी, तनहुँ, कास्की, सुनसरी, धनकुटा सहितके जिलामे बाजल जाइत अइछ ।
निःशुल्क समाचार सेवाक लेल भद्रकाली स्थित राससको केन्द्रीय कार्यालय, सेवाग्राही शाखाक टेलिफोन नम्बर ०१–५३६२५२१ मा सम्पर्क करबाक लेल अनुरोध कएल गेल अइछ ।