
वीरगञ्ज (पर्सा), २४ अगहनः भारतक विहार राज्य अन्तर्गतको पूर्वी चम्पारणक सुरेन्द्र यादव धीयापूतासहित बाराक प्रख्यात गढीमाई मन्दिरक दर्शन करबाक लेल रैवदिन मध्यरातमे एलैथ ।
एत गढीमाई मन्दिरमे कबुला केलाक बाद मनोकामना पूरा भेल कहैत ओ महागढीमाई नगरपालिका–१ स्थित बरियारपुरमे दर्शन करबाक लेल आएल छैथ । एखन गढीमाई मन्दिरमे दर्शन करबाक भारतीय आ नेपाली दर्शनार्थीक भीड़ छै । “किछु समयपहिने गढीमाईकेँ कबुला केने छलौँ । माई हमर मनोकामना पूरा केलपर एखन माईके पूजाअर्चना करबाक लेल एलौ”, दर्शनार्थी यादव कहलैन, “परिवारक सुख शान्ति आ समृद्धिक कामना करैत गढीमाई मन्दिरमे एनिहार दर्शनार्थीसभक संख्या उल्लेख्य मात्रामे अइछ ।” बरियारपुरस्थित गढीमाई मन्दिरमे इएह अगहन १ गतेसँ पञ्चवर्षीय गढीमाई मेला चैल रहल अइछ । मेलामे भारतके विभिन्न राज्यसँ मात्रे नै तेसर देशक भक्तजन सेहो आएल छैथ । पाँच–पाँच वर्षमे मेला लागैत छै । जाहिमे भक्तजनसभके बहुत भव्य आ सभ्य ढङ्ग उपस्थित भेल करैत छैथ । नेपालक विभिन्न जिलासँ मेलामे लोक अबै छैथ ।
गढीमाई पञ्चवर्षीय मेला सञ्चालन तथा व्यवस्थापन मूल समितिक अध्यक्ष तथा महागढीमाई नगरपालिका प्रमुख उपेन्द्रप्रसाद यादव गढीमाई मेलामे दशनार्थीसभक सहभागिता अत्यधिक रहल बतौलैन । “पहिने जकाँ अहुँ बेरक पञ्चवर्षीय गढीमाई मेलामे भक्तजनके उपस्थिति बहुत बेसी छै”, ओ कहलैन, “सम्भवतः महिनाभैर चलैबला मेलामे करिब एक करोड़सँ बेसी बहुत दर्शनार्थीसभ उपस्थिति होबाक अपेक्षा केने छी ।” जाहिमे भारतीयके हिस्सा ६० प्रतिशत आ स्वदेशी ४० प्रतिशतके होबाक अनुमान छै । गढीमाईके पञ्चवर्षीय मेलामे दशनार्थीक अत्यधिक चापके कारण बाराक सदरमुकाम कलैयासँ मन्दिर रहल बरियापुरधैर अत्यधिक भीडभाड लागल छै । जाहिसँ ट्राफिक व्यवस्थापनमे कठिनाइ भेल अइछ ।
कलैयासँ बरियापुरमे दू पहिया, मोटरसाइकल, तीन पहिया अटोरिक्सा, ई–रिक्सा, जीप, कार, भ्यान, बस, मिनीबस, ट्रकलगायतके सवारीसाधनसँ मन्दिरक दर्शनलेल अबैबला बहुत छै । गामँक दर्शनार्थीसभ ट्र्याक्टर रिजर्भ क अबै छैथ । जिला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय बाराक प्रमुख ट्राफिक प्रहरी निरीक्षक निलु दुवल गढीमाई पञ्चवर्षीय मेलामे सवारीसाधनके भीडभाड अत्यधिक रहल बतौलैन । “दिनराइत दर्शनार्थीसभ रहैत अइछ”, ओ कहलैन, “पर्याप्त जनशक्ति खटाए क ट्राफिक व्यवस्थापन भ रहल अइछ ।” दश हजार स बेसी पाडाक बली रैवदिन भोर ४ बजेसँ ६ बजेधैर धार्मिक परम्पराअनुसार पूजापाठ केलाक बाद ब्रहमबाबा लग बनाएल मौलामे पञ्चबलि देल गेल छल । रैवदिन ६ बजेसँ दुपहरधैर पाडाक बलि देल गेल । पञ्चवर्षीय गढीमाई मेला व्यवस्थापन समितिक अनुसार करिब १० हजारसँ बेसी पाडाक बलि भ चुकल अइछ । आइ सेहो भोरैसँ छागरके बलि चढेबाक काज भ रहल अइछ । तस्विरः सञ्जय सहनी