राजविराजमे रात्रिकालीन उड़ान सुरू


राजविराज (सप्तरी), २ पुसः सप्तरी राजविराज विमानस्थलसँ रात्रिकालीन उड़ान सुरू भ गेल अइछ । रात्रिकालीन उड़ान सेवा लेल जरूरी उपकरण लगाओल गेलाक बाद बुद्ध एयर एहि विमानस्थल पर काइल स व्यावसायिक रूपसँ रात्रिकालीन उड़ान सुरू केलक अइछ ।
राजविराज विमानस्थल पर रात्रिकालीन उड़ानक उद्घाटन करैत संस्कृति, पर्यटन आ नागरिक उड्डयन मन्त्री बद्रीप्रसाद पाण्डे कहलैन जे रात्रिकालीन सेवा सुरू भेलासँ पर्यटन आ समग्र अर्थतन्त्रक विकासमे मदद भेटत । ओ कहलैन, “अब राजविराज छाहमे नै पड़त । विमानस्थलक नियमित संचालन लेल सब प्रयास कएल जाएत । एहिठाँमक प्राकृतिक सम्पदा आ सांस्कृतिक सम्पदाके देखि क यात्रु भ्रमण क र आएत ।” पर्यटनमन्त्री पाण्डे कहलैन जे रात्रिकालीन सेवाक अर्थतन्त्रसहित विभिन्न क्षेत्र पर बहुआयामिक प्रभाव हएत ।प्रकृति आ संस्कृतिसँ भरल नेपालक पर्यटनके बढ़ेबाक लेल ई विमानस्थल मददगार साबित हएत । ओ ईहो कहलैन जे राजविराजसँ पोखरा आ अन्य गन्तव्य पर सिधा उड़ानक व्यवस्था करबाक लेल ई विमानस्थलके आगू बढ़ाओल जाएत । मन्त्री पाण्डे एयरफील्ड लाइटिंग सिस्टमके उद्घाटन सेहो केलैथ । एहि अवसरपर जनमत पार्टीक अध्यक्ष सीके राउत कहलैन “सप्तरीवासी लेल गर्वक दिन अइछ। आब उड़ानक संख्या बढ़ा क सेवाके निरन्तर राखब जरूरी अइछ । एहि स्थिति तक पहुँचबाक लेल जे सब सहयोग केलैन, हुनका सबकेँ हम विशेष धन्यवाद देब चाहैत छी”, प्रसिद्ध छिन्नमस्ता भगवती मन्दिर आ कोशी क्षेत्रक पर्यटन विकाशक लेल ई शुरूआत महत्वपूर्ण डेग अइछ, अध्यक्ष राउत कहलैन ।सप्तरी क्षेत्र नं ३ क सांसद दिनेशकुमार यादव कहलैन जे बारम्बार बन्द होइत आइब रहल राजविराज विमानस्थलक नियमित उड़ान लेल सबक सहयोग जरूरी अइछ । नेपाल नागरिक उड्डयन प्राधिकरणक महानिर्देशक प्रदीप अधिकारी कहलैन जे रात्रिकालीन उड़ानसँ समग्र विकाशक सम्भावना खुलि गेल अइछ । राजविराज विमानस्थल पर बुद्ध एयर पहिने दिनमे एकेटा उड़ान करैत छल । पछिला शुक्रदिन, १३ दिसम्बर क बुद्ध एयर रात्रिकालीन उड़ानक परीक्षण केलक ।
सफल परीक्षणक बाद बुद्ध एयर काठमान्डुसँ राजविराज रात्रिकालीन व्यावसायिक उड़ान सुरू कएलक । रात्रिकालीन उड़ानक संख्या दश टा भ गेल अइछ । भद्रपुर, विराटनगर, राजविराज, सिमरा, जनकपुर, काठमान्डु, पोखरा, भैरहवा, नेपालगंज आ धनगढीमे रात्रिकालीन उड़ान सम्भव अइछ । प्राधिकरणक सूचना अधिकारी ज्ञानेन्द्र भूल कहलैथ जे आइएफआर नियमअनुसार उड़ान शुरू भेलाक बाद यात्रु क कम विजिबिलिटीक कारण उड़ान रद्द आ देरीसँ छुटकारा भेटत ।
बुद्ध एयरक प्रवक्ता दीपेन्द्रकुमार कर्ण कहलैन जे राजविराज विमानस्थल नजदीक होएबाक कारण वैकल्पिक रूपमे सेहो उपयोग कएल जा सकैत अइछ । रात्रिकालीन उड़ानसँ एही क्षेत्रक उड़ान सेवा आओर सुरक्षित आ मजबूत भ गेल अइछ, ओ कहलैन । इनस्ट्रूमेंट फ्लाइट रूल्स (आईएफआर) अनुसार दू हजार मिटर पर उड़ान सम्भव अइछ । खराब मौसमक समयमे उड़ान आसान होएत । पहिने भिएफआर उड़ान लेल पाँच हजार भिजिबिलिटी जरूरी छल । एहिसँ उड़ान देरी आ रद्द होएबाक समस्यासँ राहत भेटत ।
राजविराज विमानस्थलपर बुद्ध एयर २०७६ माघ १८सँ ७२ सिटवाला एटिआर विमानक काठमान्डु–राजविराज दैनिक उड़ान करैत अइछ । ई विमानस्थल २०१६मे तत्कालीन मन्त्री गणेशमान सिंह उद्घाटन कएने छलाह । १५०० मिटर लम्बा आ ३० मिटर चौड़ा पक्का रनवे अइछ । २०७५ असार १०सँ श्री एयरलाइन्स उड़ान शुरू केलक । मुदा एक साल बाद उक्त उडान बन्द भ गेल । राजविराज विमानस्थलक कार्यालयक अनुसार २०५२ आ २०६५मे किछु दिन लेल उड़ान भेल, मुदा २०६६ मे फेर बन्द भ गेल । २०७५ वैशाखमे पक्का रनवे बनाएल गेल । स्थानीय रोशन मण्डल कहलैन जे रात्रिकालीन उड़ानसँ मधेशक पर्यटनक लेल नवका सम्भावना बनल अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको