
काठमाण्डू, २ पुसः महिला यु–१९ एसिया कपमे नेपाल पाकिस्तानकेँ छ विकेट स पराजित कएलक अइछ । मलेसियाक क्वालालम्पुरस्थित बायुमास ओभल क्रिकेट मैदानमे सोमदिन पाकिस्तानद्वारा देल गेल एक सओ पाँच रनके लक्ष्य नेपाल १९ ओभरमे चाइर विकेटक क्षतिमे पूरा केलक ।
नेपालक लेल कप्तान पुजा महतो ४७ बलमे तीन चौकाक मदत स ४७ रन, सोनी पाख्रिन १३, सिमाना केसी १२, साना प्रवीण १० आ सावित्री धामी ८ रन बनेलैथ । नेपाल अतिरिक्त १५ रन प्राप्त कएलक । बलिङदिस पाकिस्तानक फातिमे खान आ क्वारातुलेन समान एक÷एक विकेट लेलैन । टस जीत क पहिने ब्याटिङ केने पाकिस्तान निर्धारित २० ओभरमे पाँच विकेटक क्षतिमे एक सओ चाइर रन बनौने छल ।
पाकिस्तानक लेल कोमल खान ४४ बलमे दू चौकासहित ३८ रन, महम अनीस नटआउट २९, रवैल फरहान १३, कप्तान जोफिशन अय्याज १२, फातिमा खान नटआउट छ रन, अरीशा अन्सारी एक रन बनेलैन । बलिङदिस नेपालक लेल कप्तान पूजा महतो सर्वाधिक दू विकेट, रचना कुमारी चौधरी, रिया शर्मा आ सिमाना केसी एक÷एक विकेट लेलैन । ई सङे नेपाल सुपर फोरमे प्रवेश केलक अइछ । —