
काठमाण्डू, ४ पुस : ‘एचपिभी’ खोप लेल ग्लोबल एलायन्स (गाभी)के सहयोगमे स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालय पाठेघर द्वारमे क्यान्सरविरुद्ध लगाबैबला ‘ह्युमन पापिलोमे भाइरस’ (एचपिभी) खोप अनने अइछ ।
स्वास्थ्य सेवा विभागक आपूर्ति व्यवस्थापन महाशाखाक निर्देशक डा पवनजङ्ग रायमाझी चाइर लाख ६० हजार नौ सओ ४० मात्रा खोप आएल बतौलैन । उक्त खोपकेँ एखन टेकुस्थित भण्डारण कक्षमे राखल आ बादमे प्रदेशमे पठाएल जेबाक जानकारी देलैन अइछ । ‘एचपिभी’ खोप लेल ग्लोबल एलायन्स’ (गाभी)क सहयोगमे नेपाल आइब गेल अइछ । सरकार किशोरीकेँ कनियेटासँ क्यान्सरसँ बचेबाक लेल माघ २३ गतेसँ खोप अभियान शुरू कएने छै ।
पन्ध्रदिनक अभियानअन्र्तगत कक्षा ६ सँ १० धैर आ विद्यालय बाहर रहल १० सँ १४ वर्ष उमेर समूहक १६ लाख ८८ हजार नओ सओ किशोरीकेँ खोप लगेबाक बालस्वास्थ्य तथा खोप शाखाक प्रमुख डा. अभियान गौतम जानकारी देलैन अइछ । हुनक अनुसार १७ लाख ७० हजार मात्रे गाभी नेपालकेँ उपलब्ध कएल जाएत । हरेक वर्ष पाठेघर द्वारके क्यान्सरसँ चाइर गोटे महिलाक मृत्यु भ रहल जनाएल गेल अइछ । पाठेघर द्वारके क्यान्सरके मुख्य कारण ह्युमनपापिलोमे भाइरस सङ्क्रमण छी, तकर विरुद्ध खोप लगेबाक चाही ।
ह्युमनपापिलोमे भाइरस सङ्क्रमणसँ कम उमेरमे विआह करब, कमे उमेरमे बच्चा जन्माएब, बहुत बच्चा जन्माएब, कम अन्तरालमे लगातार बच्चा जन्माएब आ बहुतसँ यौन सम्बन्ध बनेबाक, बहुत धूम्रपान तथा मद्यपान करबाक आ यौनाङ्गके सफाइमे धीयान नै देलासँ ई बेमारी होइ छै । नेपालमे सबसँ बेसी महिलामे होएबला क्यान्सरमध्ये पाठेघर द्वारमे क्यान्सर सबसँ बेसी होबाक आ तकरबाद स्तन क्यान्सर अइछ ।