पर्साक पोखरियामे मालपोत आ नापी कार्यालयक स्थापना करबाक निर्णय


वीरगञ्ज (पर्सा), १० पुसः सङ्घीय मन्त्रिपरिषद्क मङ्गलदिनक बैसारद्वारा पोखरिया नगरपालिकामे मालपोत तथा नापी कार्यालय स्थापना करबाक निर्णय केलक अइछ ।

अइ ठाँमस्थित भूमिसुधार तथा मालपोत आ नापी कार्यालय ग्रामीण क्षेत्रक सेवाग्राहीके लेल दूर भेलासँ सरकार पोखरियामे मालपोत आ नापी कार्यालय स्थापनाक निर्णय केलक अइछ । सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासनमन्त्री राजकुमार गुप्ता सामाजिक सञ्जालमार्फत दूनु कार्यालय स्थापना करबाक निर्णय सार्वजनिक करैत “अइ महत्त्वपूर्ण डेगकेँ पोखरियालगायत ग्रामीण क्षेत्रमे बसोबास क रहल सम्पूर्ण गामँवासीकेँ सरकारी सेवामे सहज पहुँच हएबाक हमर विश्वास अइछ”, लिखलैन अइछ । खानेपानीमन्त्री प्रदीप यादव सेहो मन्त्रिपरिषद् बैसार पर्सामे जनसङ्ख्याक चाप, सेवाक अवस्था एवं लागतकेँ विश्लेषण क सेवा प्रवाहकेँ नागरिकमैत्री बनेबाक लेल पोखरियामे मालपोत तथा नापी कार्यालय स्थापना करबाक निर्णय भेल सामाजिक सञ्जाल फेसबुकमे लिखने छैथ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको