यु–१९ महिला विश्वकपमे नेपाली टीम घोषणा


राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

काठमाण्डू, २१ पुस : नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) एसिसी यु–१९ महिला विश्वकप प्रतियोगिताक लेल नेपाली टीमके घोषणा केलक अइछ । क्यान पूजा महतोके कप्तानीमे शैनदिन १५ सदस्यीय टीम घोषणा केलक अइछ । नेपाली टोलीक अन्य खेलाड़ीमे सोनी पाख्रिन (उपकप्तान), साना प्रविन, ज्योत्सिन्का मरासिनी, कुसुम गोदार, सावित्रा धामी, कृश्मे गुरुङ, रिया शर्मा, सिमाना केसी, स्नेहा महरा, किरणकुमारी कुँवर, रचना चौधरी, तृष्णा विक, अनु कड़ायत आ एलिसा कुमारी यादव छैथ । वितल महिनामे यु–१९ एसिया छनाैटमे च्याम्पियन बनैत नेपाल विश्वकपमे स्थान बनेलक अइछ । यु–१९ विश्वकप अगिला माघ ५ सँ २० गतेधैर मलेसियामे भ रहल अइछ । ओइ प्रतियोगितामे १६ टीम सहभागी हएत । नेपाल समूह ‘डी’ मे अइछ । ओइ समूहमे बङ्गलादेश, अस्ट्रेलिया आ स्कटल्याण्ड सेहो छै। नेपाल पहिल खेल माघ ५ गते बङ्गलादेशसङ खेलाएत । नेपाल दोसर खेल माघ ७ गते स्कटल्याण्डसङ तथा तेसर खेल माघ ९ गते अस्ट्रेलियासङ खेलबाक तालिका अइछ । –––

ताजा खबर
धेरै पढिएको