
दलान । मैथिली ठाकुरके जन्म २५ जुलाई २००० मे बिहारक मधुबनी जिला स्थित बेनीपट्टी नामक एक छोट शहरमे भेल छल । हुनकर पिता रमेश ठाकुर, जे अपन क्षेत्रक लोकप्रिय संगीतकार छइथ । तहिना माता भारती ठाकुर, जे एक गृहिणी छइथ । हुनका दूटा छोट भाइ सेहो छै । एकटाके नाम ऋषभ आ दोसरके नाम अयाची अइछ । दुनु भाइ अपन जेठकी बहिनक संगीतयात्राके अनुशरण करैत छइथ । ऋषभ तबला बजबैत छथि त अयाची गायक छइथ । मैथिली अपन पिता सँ संगीत सिखने छइथ ।
अपन बेटी मैथिलीके प्रतिभा प्रष्फुटित करबाक लेल पिता रमेश प्रयासरत छइथ । अपन परिवारकेँ दिल्लीक नजदीक द्वारकामे रइह रहल छइथ । मैथिली आ हुनकर दुनु भाइके शिक्षा बाल भवन इंटरनेशनल स्कूल, दिल्लीमे भेल। पढाईक दौरान, तीनू भाइ–बहिन अपन पिता सँ हिंदुस्तानी शास्त्रीय संगीत, हारमोनियम, आ तबलाके प्रशिक्षण लेलक ।
मैथिलीक संगीत यात्रा २०११ मे शुरू भेल । जखन ओ जी टिवीमे प्रसारित लिटिल चैम्प्स नामक रियलिटी शोमे सहभागी भेल । अइस’ पहिने कतेको स्थानीय कार्यक्रममे भाग लैत आएल छलीह । टिवी शोमे एलाक बाद मैथिलीके प्रतिभा आओर जगजियार भेल । चाइर साल बाद, ओ रियलिटी शो ’इंण्डियन आइडल जूनियर’मे भाग लेलक । शो सोनी टीवीस’ प्रसारित होइत छल । मुदा, ओ रियलिटी शो ’राइजिङ्ग स्टार’क माध्यम सँ अन्तराष्ट्रीय स्तरमे चर्चित भेलीह । ओ शोमे ओ रनर–अप होबएमे सफल भेलीह ।
२०१७ मे हुनकर प्रसिद्धि आओर बढ़ल, जखन ओ ’राइजिंग स्टार’क सीजन १ मे भाग लेलीह । मैथिली शोके पहिल फाइनलिस्ट छलीह ओ । ओ ’ओम नमः शिवाय’ गाओलीह, जइसे हुनका फाइनलमे सीधा प्रवेश भेटल । मात्र दू वोटक अन्तरसँ हाइर गेलीह आ दोसरा स्थान बनाबएमे सफल भेलीह । शोके बाद, हुनकर इन्टरनेट लोकप्रियता बइढ़ गेल । यूट्यूब आ फेसबुक पर हुनकर वीडियो ७०,००० सँ ७ मिलियन तक भ्यूज प्राप्त कएने छै ।
अपन छोट भाइ ऋषभ आ अयाचीक संग अपन गायनके प्रस्तुति दैत छइथ । २०१९ मे, मैथिली आ हुनकर दुनु भाइके चुनाव आयोग द्वारा मधुबनीक ब्रांड एंबेसडर बनाओल गेल छल । २०१५ मे, मैथिली एक भारतीय संगीत शो “आई जीनियस यंग सिंगिंग स्टार“ जीतलीह आ एक एल्बम ’हां रब्बा’ (यूनिवर्सल म्यूजिक) लॉन्च कएलीह । प्रायः ओ मैथिली आ भोजपुरीके लोकगीत, भजन, गजल एवम् सुफी गाबैत छइथ ।
हुनका लोकगायिका कैहकए चिन्हल जाइत अइछ । राष्ट्रीय तथा अन्तर्राष्ट्रीय स्तरमे आयोजना होयबाला कार्यक्रम सबमे मैथिली अपन पारिवारिक टिमके साथ प्रस्तुति दैत आइब रहल छइथ । हुनकर फेसबुक पेजमे ९ मिलियन सँ बेसी फॉलोअर, यूट्यूब पर २.५ मिलियन सँ बेसी सब्सक्राइबर, आ इंस्टाग्राम पर २ मिलियन सँ बेसी अनुयायी छइथ ।