ठण्ढीमे बच्चाके स्वास्थ्यमे धियान देल जाउ


विगत किछ दिनस’ ठण्ढी बइढ रहल अइछ । कुहेस संगे शीतलहर सेहो बढल अइछ । तापक्रम घटैत गेलाक कारण जाड बइढ रहल अइछ । एहेन अवस्थामे ठण्ढीके कारणस’ बच्चासबमे सर्दी, बोखार आ कोल्ड डायरिया देखल जाइत अइछ । तैं जाडाके महिनामे बच्चाके देखभाल आवश्यक अइछ ।
किछ महत्वपूर्ण उपाय सब अपनाके बच्चाके सुरक्षित राखल जाय ।

१. जाड़ामे सफाई सहित बच्चाके स्वास्थ्यके देखभाल कएल जाय ।
२. बच्चा के गरम कपड़ा, टोपी, पञ्जा आ मोजा पहिरा क’ स्वाभाविक रूप स’ गरम राखू ।
३. जँ केओं के सर्दी–खाँसी छै, त’ बच्चा के ओइ व्यक्ति स’ दूर राखू ।
४. बासी भोजन बच्चाके नइँ खुआबू ।
५. ठण्ढा चीज सब खाय ल’ नइँ दियौ ।
६. सुसुम पानी पियाबू।
७. जँ बच्चाके सर्दी–खाँसी भ’ गेल होय, त’ किछु दिन घर में आराम कराबू ।
८. बच्चाके सुतैबाला घर गरम राखू ।
९. बच्चा खेलबाक स्थान पर कार्पेट बिछाबू ।
१०. बच्चा के घर स’ बाहर ल’ जाइतकाल पर्याप्त कपडा पिन्हाबू ।
११. बच्चाके स्वच्छ आ गरम भोजन समय–समय पर खुआबू ।
१२. छोट बच्चा के गरम आ तरल भोजन बार–बार खुआबू।
१३. गरम आ झोरगर दाइल खुआबु ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको