
महेन्द्रनगर (धनुषा), २३ पुसः मधेश प्रदेशसभाक चारिम् अधिवेशन शुरू भेल अइछ । अधिवेशन अन्तर्गत आजुक पहिल बैसारमे मधेश प्रदेशसभाके सभामुख रामचन्द्र मण्डल प्रदेश प्रमुखसँ प्राप्त चारिम् अधिवेशन आह्वानसम्बन्धी पत्र पइढ़ क सुनाैलैथ। तीन महिनासँ बन्द प्रदेशसभा बैसारमे प्रदेश प्रमुखके कार्यालयसँ प्राप्त विधेयक प्रमाणीकरण पत्र सभामुख मण्डल पढ़लैन । बैसारमे सभामुख तथा उपसभामुखके अनुपस्थितिमे बैसारक अध्ययक्षता करैबला सदस्यके मनोनयन केलक अइछ ।
प्रदेशसभा कार्यसञ्चालन नियमावली, २०७५ के नियम ११ बमोजिम सभामुख तथा उपसभामुखके अनुपस्थितिमे बैसारक अध्यक्षता करबाक लेल हरि नारायण महतो, चन्दन सिंह, जवाहर कुशवाहा, रमेशप्रसाद कुर्मिकेँ मनोनयन केलक अइछ । मधेश प्रदेशसभाक तेसर अधिवेशन वितल ४ आसिनमे अन्त भेल छल । प्रदेशसभाके दोसर कार्यकालके पहिल अधिवेशनमे ३६, दोसर अधिवेशनमे १४ आ तेसर अधिवेशनमे ३४ टा बैसार बैसल सभामुख रामचन्द्र मण्डल जानकारी देलैन अइछ ।
कृषिसम्बन्धी विधेयक, बिउ बीजनसम्बन्धी विधेयक, पर्यटन विधेयक आ बालबालिका व्यवस्थासम्बन्धित ऐनके संशोधन सहितके ‘बिजनेस’ प्रदेशसभामे अइछ । प्राकृतिक स्रोत तथा वातावरण समितिक सभापति शारदा दास पहाड़ी कहलैथ “मधेशमे पर्यटनके विकाश आ प्रवर्द्धन करबाक सम्बन्धमे व्यवस्थासम्बन्धित विधेयक समितिके प्रतिवेदन” सभामे पेश करबाक कार्यसुची अइछ ।