काठमाण्डू, २७ पुस: विदेशमे रहि रहल नेपालीसभ आब नेपालक नेत्रविशेषज्ञसँ आँइखक इलाज सेवा प्राप्त क सकैत छैथ। नेपाल नेत्रज्योति संघद्वारा विदेशमे रहनिहार नेपालीसभ क लक्षित करैत आँइखक इलाज सेवा विस्तार कएलाक बाद खास क वैदेशिक रोजगारीमे लागल नेपालीसभ लाभान्वित भ रहल छैथ। संघ पहिल बेर एहि सेवाक शुरुआत ओमानसँ केलक अइछ, संघक महासचिव भरतबहादुर चन्द जानकारी देलैन । हुनका अनुसार, संघ जल्दिये थाइलैंड आ मलेशियामे सेहो आँइखक इलाज सेवा शुरू करत। महासचिव चन्द कहलैन, “नेपाली राजदूतावास, गैरआवासीय नेपाली संघक सहयोगसँ संघ विदेशमे आँइखक इलाज सेवा विस्तार क रहल अइछ।
संघक आँइखक इलाज सेवा सस्ता आ गुणस्तिरय होएबाक कारण, विभिन्न देशमे रहि रहल नेपालीसभ बीच ई सेवाक माँग निरन्तर बइढ़ रहल अइछ। पहिल बेर ओमानसँ सेवा शुरू कएल गेल, आ आब थाइलैंड आ मलेशियामे सेहो सेवा शुरू करबाक योजना अइछ।” नेत्रविशेषज्ञ प्राडा देवनारायण साहक अध्ययन अनुसार, नेपालक आँइखक स्वास्थ्य सेवा विश्व स्तरपर सस्ता आ गुणस्तरिय मानल जाइत अइछ। एहि कारणसँ नेपालमे आँइखक इलाज करबाक लेल विदेशीसभके संख्यासेहो बइढ़ रहल अइछ। हुनक अनुसार, तेसर देशसँ मात्र वितल वर्ष दुइ लाख ५० हजार विदेशी नागरिक नेपालक आँइख अस्पतालसँ सेवा लेने छलाह। दोसर पक्षमे, संघ मांगक आधारपर विदेशमे अपन नेत्रविशेषज्ञसभके पठा क सेवा प्रदान करैत अइछ। वितल आसिनमे, संघक संचालनमे रहल लुम्बिनी नेत्र विज्ञान अध्ययन संस्थान तथा रिसर्च सेंटर रण अम्बिका शाह आँइख अस्पताल भैरहवामे कार्यरत चिकित्सक बंगलादेशक ढाका स्थित नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ अप्थाल्मोलॉजीमे सेवा प्रदान केलैन। नेपाली चिकित्सक ढाकामे भ रहल आन्दोलनकक्रममे आँइखमे चोट लागल आ सम्बन्धित समस्यासँ पीड़ित बेमारसभके इलाज आ शल्यक्रिया केलैन।
संघक कार्यकारी निदेशक डॉ. शैलेशकुमार मिश्र कहलैन, “पिछला किछु वर्षमे नेपाल आँइखके इलाजमे पर्यटन गन्तव्य अर्थात् ‘आई मेडिकल टूरिज्म’क रूपमे विकसित भ रहल अइछ। सन् २०२३मे मात्र भारत, बंगलादेश सहित विभिन्न देशक आठ लाख बेमार संघक नेटवर्कक माध्यमसँ आँइखक इलाज करौलक।” नेपालक आँइखक स्वास्थ्य सेवामे सबसँ पैघ संरचना होएबला संघक अधीनमे वर्तमानमे देशभैर २८ आँइखक अस्पताल, एक सओ ६० आँइखक इलाज केन्द्र आ ४५ जिला शाखा संचालनमे अइछ। वि.सं. २०३५मे स्थापित ई संघ आइधैर कुल चाइर करोड़़ ३६ लाख २६ हजार आँइखक बेमारकेँ इलाज सेवा प्रदान केलक अइछ। ओहि तरहेँ, ५१ लाख ३३ हजार ६५९ लोकक शल्यक्रिया क आँइखक ज्योति फेरो प्रदान कएल गेल अइछ। संघक उपाध्यक्ष श्यामकुमार पोखरेल कहलैन, “आँइखक इलाज करबाक लेल आब विदेश जेबाक जरूरत नै अइछ, आब विदेशीसभ नेपालमे आँइखक इलाज लेल आबै लागल छैथ। आँइखक स्वास्थ्य सेवामे नेपाल सक्षम भ गेल अइछ।”