बजेट पारित नै भेलासँ मधेश कृषि विश्वविद्यालयक काजकाज प्रभावित


तिलाठी (सप्तरी), २७ पुस: चालु आर्थिक वर्षके पाँचम् महिना बित रहलोपर विश्वविद्यालय सभासँ बजेट पारित नै भेलासँ मधेश कृषि विश्वविद्यालयक कामकाज प्रभावित भेल अइछ ।
आर्थिक अभावमे पठनपाठनसँ निर्माणाधीन भवनके कामसेहो प्रभावित बनल अइछ । मधेश कृषि विश्वविद्यालय राजविराजक रजिष्ट्रार डॉ. भगवान ठाकुरक अनुसार आर्थिक कारोबार शुरू नै होएबाक कारण भाड़ाक घरमे चइल रहल विश्वविद्यालयक कक्षासमेत बाधित भ रहल अइछ। आर्थिक संकटक कारण विश्वविद्यालय नव शैक्षिक सत्रक लेल भर्ना प्रवेश परीक्षा सेहो करबामे असक्षम अइछ।
“शिक्षा मन्त्रालयक पत्र नै आएलासँ भर्नामे देरी भेल अइछ। मुदा भादब १९ गतेकेँ भर्ना शुरू केने रही, जाहिमे देशभैरसँ १११ गोटे फॉर्म भरने छैथ। मुदा आर्थिक अभावक कारण प्रवेश परीक्षा करेबाक स्थिति नै अइछ,” रजिष्ट्रार ठाकुर कहलैन। विश्वविद्यालयमे काज क रहल १९ गोटे कर्मचारी पाँच महिनासँ तलब नै पाइब रहल छैथ। “शिक्षामन्त्रीक नेतृत्वमे सिनेटक बैसारमे बजेट पारित नै भेल, एहि कारण आर्थिक कारोबार रूकल अइछ। पाइन, बिजली, टेलिफोन, इंधनसङे पढ़ाइ-लिखाईक सामग्री खरीदबामे सेहो समस्या भ रहल अइछ,” रजिष्ट्रार कहलैन।
आर्थिक संकटके कारण राजविराज नगरपालिका-१३ स्थित निर्माणाधीन विश्वविद्यालय भवनक काजसेहो प्रभावित भ रहल अइछ। निर्माण काज क रहल ठेकेदार कम्पनी ओम साई राम कंस्ट्रक्शन सातदोबाटोक इंजीनियर बसन्त साहक अनुसार, भुक्तानी नै होएबाक कारण निर्माण काज ठप्प करबाक स्थिति बनल अइछ। “ठेकेदारक कुल बिल मूल्य वर्द्धन कर सहित रु ७ करोड़ ५२ लाख १६ हजार २९५ केँ भुगतान नै भेल अइछ, जकर कारण काजमे बाधा भेल अइछ।

१८० गोटे काजगर काज करैत छलाह, मुदा भुक्तानी नै होयबाक कारण २३ गोटे मात्र काज करि रहल छैथ। आओर एक सप्ताहमे ई संख्यासेहो समाप्त भ सकैत अइछ,” इंजीनियर साह कहलैन। मधेश प्रदेश सरकारक लगानीमे शुरू भेल एहि परियोजनाक ठेक्का ओम साई राम कंस्ट्रक्शन सातदोबाटोकेँ ८९ करोड़ ५० लाख २७ हजार ८७३ टकामे देल गेल छल।
२०८० माघ ७के समझौताक अनुसार २०८३ माघ ७ गते धैर काज पूरा करबाक छल। हालधैर २१।२५ प्रतिशत भौतिक प्रगति भेल अइछ। तीनटा प्रशासनिक भवन, एकेडेमिक ब्लॉक, छात्र(छात्राक आवास भवन, भिसि क्वार्टर, रजिष्ट्रार क्वार्टर, आ क्यान्टिन सहित १० टा भवन निर्माण करबाक योजना अइछ। २०८१ जेठ ३२ गते आ अखार २३ गतेके दू टा बिलक भुक्तानी १३ करोड़ ८८ लाख ६ हजार ७२२ टका देल गेल मुदा ओकरा बादक दूटा बिलक भुक्तानी एखनो नै भेल। विश्वविद्यालयक सहकुलपति आ मधेश प्रदेश सरकारक शिक्षामन्त्री रानी शर्मा तिवारी दू बेर सिनेटक बैसार ९कातिक ३० आ पुस ५० बजौलैन मुदा दूनू बेर अन्त समयमे स्थगित भेल। १६ पुसक बैसारसेहो निर्णय विहीन रहल, उपकुलपति डॉ। वैद्यनाथ महतो बतौलैन अइछ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको