
काठमाण्डू, ३ माघ: स्वास्थ्य आ जनसङ्ख्या मन्त्रालय पाठेघरक मुखके क्यान्सर विरुद्धक ‘ह्युमन पापिलोमे भाइरस’ (एचपिभी) खोप सातु प्रदेशमे पठाएल गेल अइछ।
‘भ्याक्सिन आ खोपक लेल ग्लोबल एलायन्स’ (गाभी) के सहयोगमेसभ खोप नेपाल अनलाक बादसभ प्रदेशमे पठाएल गेल, स्वास्थ्य सेवा विभागक आपूर्ति व्यवस्थापन महाशाखाक निर्देशक डा. पवनजङ्ग रायमाझी जानकारी देलैन। हुनकर कहब अइछ जे १७ लाख ७० हजार २० मात्रा खोप नेपाल आइब चुकल अइछ। हुनका अनुसार गाभीक सहयोगसँ पाठेघरक मुखक क्यान्सरसँ बचबाक लेल एचपिभी खोप मुफ्तमे उपलब्ध कराओल गेल अइछ।
सरकार एहि माघ २२ सँ फागुन ६ धैर देशभैर कक्षा ६ सँ १० के छात्रा आ विद्यालयसँ बाहर रहल १० वर्षसँ १४ वर्षक उमेरक १६ लाख ८८ हजार ९०० बालिका आ किशोरीकेँ खोप लगाओत। महाशाखाक निर्देशक डा. रायमाझीक अनुसार कोशी प्रदेशमे २ लाख ७५ हजार १८० मात्रा, मधेशमे ३ लाख ८० हजार ४६० मात्रा, बागमतीक हेटौँडाक लेल १ लाख २५ हजार ८०० मात्रा आ बागमतीक भक्तपुरक लेल २ लाख १८ हजार २८० मात्रा खोप पठा देल गेल अइछ। ओहि तरहेँ गण्डकी प्रदेशमे १ लाख ३० हजार ८७० मात्रा, लुम्बिनीमे २ लाख ९८ हजार ९१० मात्रा, कर्णालीमे १ लाख २४ हजार ४०० मात्रा आ सुदूरपश्चिममे १ लाख ८७ हजार १२० मात्रा खोप पठाओल गेल अइछ। प्रदेशसभ खोप सुरक्षित भण्डारण क अपन-अपन जिला सबमे पठाओत, ओ कहलैन। उक्त खोप मात्र एक बेर लगाएलासँ पर्याप्त होएत, महाशाखाक निर्देशक डा. रायमाझी जानकारी देलैन। पाठेघरक मुखक क्यान्सरक मुख्य कारण ह्युमन पापिलोमे भाइरसक संक्रमण अइछ, तेँ एहि विरुद्ध खोप लगाएब जरूरी अइछ। —