
महोत्तरी, ६ माघः महोत्तरीमे हालक दिनमे घुम्ती पुस्तकालय (बुकबस)क प्रति आमलोकके धीयान तेजीसँ बइढ़ रहल अइछ। भङ्गाहा नगरपालिका-४ स्थित राष्ट्रिय आधारभूत विद्यालय आ दलित-जनजातिक टोलसभमे केन्द्रित ई घुम्ती पुस्तकालयक गतिविधि लोकमे पठन-रुचि विकसित करबाक कारण बनल अइछ।
एहि कार्यक्रमक संयोजन युवा सञ्जाल महोत्तरीकद्वारा अमेरिकी राजदूतावास आ कारखाना समूहक सहयोगमे कएल गेल अइछ। स्थानीय रामईश्वर ठाकुर (३२) कहलैन, “विद्यालयसँ घर आइब खेलमे समय बिताबैबला बालबालिका आब घुम्ती पुस्तकालय प्रति धीयान देखाब’ लागल अइछ। एहि पुस्तकालयक कारण पढ़बाक आदतके विकाश भ रहल अइछ।”
घुम्ती पुस्तकालयमे सचित्र वर्णनात्मक सामग्री, खेल सामग्री आ मनोरंजनात्मक अभ्यास सेहो अइछ। स्थानीय अशोककुमार महतो कहलैन, “पुस्तकक सङ सम्बंध बढ़ाब’ आ पठन-रुचि जगाब’ लेल खेलक माध्यम प्रभावशाली भ रहल अइछ। पुस्तकालयक स्कूल आ बस्तीसभक चौक-चौकमे धीयान खीचबामे सफल भ रहल अइछ।” युवा सञ्जाल महोत्तरीक अध्यक्ष रवीन्द्र कुमार महतो जानकारी देलैन जे बाल-बालिकाक घुम्ती पुस्तकालयप्रति आकर्षण देखिक’ ओ उत्साहित छैथ। पहिल चरणक दू दिनक अभ्यासमे तीनसँ बेसी बाल-बालिकाक सहभागिता रहल।
ओ कहलैन, “घुम्ती पुस्तकालयक उद्देश्य छोट-छीन बाल-बालिकाक पढ़ाइ प्रति रुचि जगाएब आ खेलक माध्यमसँ शिक्षाक अवधारणा स्थापित करब अइछ।” एहि कार्यक्रम सामुदायिक विद्यालय आ शिक्षाक पहुँचसँ बाहर रहल वर्ग आ समुदायकेँ लक्षित क बागमती, सुदूरपश्चिम आ मधेश प्रदेशमे चलाओल जाइत अइछ। सञ्जालक अनुसार, भङ्गाहा नगरक्षेत्रक लगभगसभ विद्यालय आ आसपासक बस्तीसभमे ई गतिविधि पहुँचाओल जाएत। भङ्गाहाक बाद मनराशिशवा आ मटिहानी नगरपालिकासभमे सेहो घुम्ती पुस्तकालय जेबाक अध्यक्ष महतो जानकारी देलैन । रासस
तस्वीरः सुमेद ठाकुर फेसबुक