नेपालगञ्ज, ७ माघ : भौतिक पूर्वाधार तथा यातायातमन्त्री देवेन्द्र दाहाल सरकार हुलाकी राजमार्गक निर्माणाधीन काजकेँ जल्दी-जल्दी सम्पन्न करबामे लागल बताैलैन अइछ।
नेपालगञ्ज–गुलरिया सड़कखण्डक अन्तरगत बाँकेके खजुरा गाउँपालिका–३ स्थित पेडारी नालामे रहल जीर्ण पुलक आइ स्थलगत निरीक्षण करैत मन्त्री दाहाल कहलैथ “बिना देरीके काज आगू बढेबाक लेल सरकार गम्भीर अइछ। पेडारी नालाक पुलक लेल अर्थ मन्त्रालयसँ बजट सुनिश्चित भ चुकल छै, आ किछु दिनमे टेण्डर आह्वान क क काज शुरू भ जाएत।” मन्त्री दाहाल कहलेन, ‘‘हुलाकी सड़कक अन्तरगत खजुराक पेडारी नालासहित आन आवश्यक स्थानमे पुल निर्माणक लेल किछु दिनमे टेण्डर आह्वान होएत।’’
ओहि अवसर पर खजुरा गाउँपालिकाक अध्यक्ष डम्बर विक, नेकपा (एमाले) क प्रदेश कमिटी सदस्य किस्मतकुमार कक्षपतिलगैतसभ कहलैन जे ५२ वर्ष पुरान पुल जखन-तखन टुटैके जोखिम छै, तेँ नया पुल जल्दी बनेबाक आग्रह केलैन। सड़क डिभिजन कार्यालयक खजुरामे एक हजार आठ मिटर लम्बाईक चारलेन सड़कके काज सात वर्षधैर पूर्ण नै भ सकल अइछ, से कानुनी अडचन हटा क काज जल्दी कएल जाए, एहि लेल खजुरावासीक दिससँ मन्त्री दाहालक ध्यानाकर्षण केल गेल अइछ, अध्यक्ष विक कहलैन। हुलाकी राजमार्ग निर्देशनालय योजना कार्यालय नेपालगञ्जक प्रमुख लिलाबहादुर भण्डारीक अनुसार पेडारी नालामे करीब रु १४ करोड़क लागतसँ २२ मिटर चौड़ाई आ ३३ मिटर लम्बाईक पुल निर्माण कएल जाएत।