
जनकपुरधाम, १० माघः बितल छ महिनामे सवारी दुर्घटनामे धनुषामे २६ व्यक्तिके मृत्यु भेल अइछ । जिला ट्राफिक कार्यालयक अनुसार ओइ अवधिमे भेल पाँच सओ छ दुर्घटनामे २६ व्यक्तिके मृत्यु भेल अइछ । पछिला वर्षके सएह अवधिमे पाँच सओ ९८ दुर्घटनामे ३९ गोटेके जान गेल छल ।
उक्त कार्यालय समीक्षा अवधिकमे ट्राफिक नियम उल्लङ्घन कएने १२ हजार पाँच सओ ९३ सवारीसाधनके सञ्चालकसँ ९७ लाख ५८ हजार पाँच सओ टका राजस्व सङ्कलन भेल जनौलक अइछ । वितल आवके सएह अवधिमे १४ हजार दू सओ ३६ सवारीसाधनसँ एक करोड़ छ लाख ५४ हजार पाँच सओ टका राजस्व सङ्कलन भेल छल । रासस