
काठमाण्डू, १४ माघ : गृहमन्त्री रमेश लेखक पत्रकारिता लोकतन्त्रके संरक्षक भेल बताैलैन अइछ । सिंहदरबारस्थित गृहमन्त्रालयमे आइ नेपाल पत्रकार महासङ्घक नवनिर्वाचित पदाधिकारीसभकेँ बधाई ज्ञापन करैत गृहमन्त्री लेखक निष्पक्ष पत्रकारिता लोकतन्त्रके स्तम्भ भेल बताैलैन । “संविधान पूर्ण प्रेस स्वतन्त्रताके ‘ग्यारेन्टी’ केने अइछ”, ओ कहलैन, “स्वतन्त्र, व्यावसायिक तथा निष्पक्ष पत्रकारिताके वातावरण सरकार सुनिश्चित केने अइछ ।”
गृहमन्त्री लेखक कोनो किसिमसँ पत्रकारिताक स्वतन्त्रता आ व्यावसायिकताक सुनिश्चितता होइत रहत विश्वास व्यक्त केलैथ । पत्रकारिता मर्यादित, व्यवस्थित आ सत्यमे आधारित होबाक चाही बताैलैन । “कपोलकल्पित समाचार सम्प्रेषण करब, समाजमे अनावश्यक भ्रम उत्पन्न करब, व्यक्ति, समाज आ समुदायके चरित्रहत्या करबलगायत गतिविधिसभसँ सञ्चारगृहकेँ सजह रहबाक लेल आग्रह करैत छी,” मन्त्री लेखक कहलैन, “तेहन गतिविधि भेलापर समग्र सञ्चारजगतप्रतिके विश्वास कमजोर होएत ।”
नेपाल पत्रकार महासङ्घक केन्द्रीय अध्यक्ष निर्मला शर्मा पत्रकार महासङ्घके निर्वाचन शान्तिपूर्ण वातावरणमे सम्पन्न करबाक लेल सरकारक भूमिकाप्रति धन्यवाद ज्ञापन केलैन । सङे ओ प्रेस स्वतन्त्रता हननमे संलग्नकेँ कारबाहीके मांग करैत गृहमन्त्री लेखकसमक्ष ध्यानाकर्षणपत्र देलैन ।