कलकतियाबाली कएलक अन्सा सङ्गे बियाह : फोटो देखू


जनकपुरधाम । कलकतियाबालीके नामस’ प्रसिद्ध हाँस्य कलाकार अविनाश झा जातीय परिबन्धके चुनौति दैत वैवाहिक बन्धनमे बन्हाएल अइछ ।
महिला पात्रके सशक्त भूमिका निर्वाह करैत आइब रहल धनुषा निवासी अविनाश अनिसा सदा सङ्गे गत माघ १४ गते वैवाहिक बन्धनमे बन्हाएल अइछ । कलाकारिता क्षेत्रमे अविनाश सङ्गे अन्सा सेहो काज करैत आइब रहल अइछ । ओ धनुषा जिल्ला अदालतमे विधिवत रुपमा कानुनी वियाह आ तकरबाद हिन्दू परम्परा अनुसार विवाहके विधिवत रुपमे औपचारिकता देलक अइछ ।
के छियै कलकतियाबाली ?
मैथिली भाषाक एक चर्चित हास्य कलाकार छथि कलकतियाबाली । जे अपन व्यंग्यपूर्ण अभिनय आ मनोरञ्जनात्मक महिला पात्रक प्रस्तुतिक लेल प्रसिद्ध मानल गेल अइछ । कलकतियाबाली कोनो व्यक्तिगत नाम नइँ, बल्कि हुनकर कलाक्षेत्रक पात्रके रुपमे अभिनयके नाम छी । मैथिली भाषामे “कलकतिया“ शब्दक अर्थ कलकत्तासँ सम्बन्धित, आ “बाली“ महिलाक लागि प्रयोग होयबाला शब्द छी । हुनकर अभिनय आओर प्रस्तुतिक शैली एहन छी जे लोक सभ हुनका “कलकतियाबाली“ नामसँ चिन्हय लागल । हुनकर नाम सुनिते लोक सभ जाइन जाइ छै जे कोनो मजेदार आओर हँसाबय वला प्रस्तुति ह्यात ।

२०६७ सालस’ रेडियो नाटकमे काम कइर यात्रा प्रारम्भ कएने छल । तकरबाद ओ विशेष रूपमे यूट्यूब आओर डिजिटल मञ्चसभ पर अपन कमेडी वीडियोसभसँ लोगके हँसाबैत आइब रहल छै । ओकर प्रस्तुति ग्रामीण जीवनशैली, समाजक विभिन्न पक्ष, परम्परा एवम् समकालीन विषयसभ पर आधारित रहैत अइछ ।

कलकतियाबालीक हास्य शैली खास कइर ग्रामीण परिवेश आ आम लोकक जीवनसँ जुड़ल रहैत अइछ । ओ अपन प्रस्तुति सभमे ग्रामीण महिलाक हाव–भाव आ बोलचाल, गामक परंपरागत जीवनशैली, समाजक ठेठ समस्या आओर ओकर समाधान पर व्यंग्य, मिथिला क्षेत्रक लोकसंस्कृति आओर गीत–गप्पसभ, नवयुवक, बुजुर्ग आओर महिलासभक दैनिक जीवनकेँ हास्य रूपमे देखेबाक शैली प्रस्तुत करैत आइब रहल छै । सबस’ महत्वपूर्ण बात जे कलकतियाबाली पात्र सदैव साहसी एवम् हिम्मतवाली देखल गेल अइछ । जइस’ मिथिला मधेश क्षेत्रमे महिला सशक्तिकरणके लेल महत्वपूर्ण मानल गेल अइछ ।

गरिब परिवारमे जन्मल अविनाश अपन कलायात्राके क्रममे बहुत संघर्ष कएने छै । महिला पात्रके भूमिका करैत एलाक कारणे कतेको बेर ओ किछ लोगद्वारा अपमानक पीडा सेहो झेलने छै । नेपाल आ भारतमे बहुत बेसी चर्चित कलकतियाबाली नारी प्रधान मैथिली सिनेमा सेहो बनारहल छै । जनकपुरधाममे जमिन भाडामे ल के कमेडी भिडियो सुटिङ्ग करै खातिर फिल्म स्पट सेहो बनेने छै । हुनका सङ्गे सशक्त टिम मिलके काज क रहल छै ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको