धनुषामे उल्लु तथा हुइचिल उत्सव


महेन्द्रनगर (धनुषा), १७ माघः मिथिला विहारी नगरपालिका – २ आ ३ मे उल्लु (मुहँदुस्सी) तथा हुचिल (मुहदुसा) उत्सव २०८१ आयोजन होएबला अइछ।
ई माघ २५ आ २६ गते उत्सवक १२म् संस्करण होएबाक, आयोजक समितिक संयोजक देवनारायण मण्डल जानकारी देलैथ। मिथिला वाइल्ड लाइफ ट्रस्टके आयोजन आ प्रकृतिको साथीसभ संस्थाके सहकार्यमे ई उत्सव हएत । नेपाल, अमेरिका आ इटलीमे मात्र आयोजित ई अन्तर्राष्ट्रीय लाटोकोसेरो उत्सव लोपोन्मुख लाटोकोसेरो तथा हुचिल संरक्षण लेल जनचेतना बढ़ेबाक उद्देश्य रखने अइछ।
संयोजक मण्डल कहलैथ “उत्सवमे निःशुल्क प्रवेश देल जाएत आ पूर्वतैयारी अन्तर्गत विभिन्न विद्यालयसभमे उल्लु संरक्षण लेल जनचेतना शिविर चलाओल जा रहल अइछ। उत्सवमे चीड़ै तथा प्रकृति अवलोकन, स्थानीय लोपोन्मुख खेलसभ, सांस्कृतिक गीत आ नाँच प्रदर्शनसङे वनविज्ञान अध्ययन संस्थान, पोखराक विद्यार्थीसभद्वारा उल्लु संरक्षण सम्बन्धी नृत्य आ नाटक प्रदर्शन कएल जाएत। सन् २०१२ सँ नेपालमे ई उत्सव मनाएल जा रहल अइछ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको