
काठमाण्डू, १९ माघ : फ्रेन्चाइज टिमक अवधारणापर पहल बेर आयोजित नेपाल कबड्डी लिग (एनकेएल) के उपाधि जनकपुर नाइट्स जीतल अइछ।
त्रिपुरेश्वर स्थित राष्ट्रिय खेलकुद परिषद्क कभर्डहलमे शुक्रदिन भेल फाइनल खेलमे जनकपुर नाइट्स काठमाण्डू माभरिक्सके ४५–४१ सँ हराबैत उपाधिपर कब्जा कएलक अइछ। एहिसँ पहिने जनकपुर २३ अंकके सङे लिग चरणमे शीर्ष स्थानमे रहैत क्वालिफायरमे पहुँचल छल। ओ लिग चरणमे चाइर खेल जीतल आ काठमाण्डूसँ बराबरीमे सम्पन्न भेल। पहिल क्वालिफायरमे विराटनगर ब्यान्डिट्सके ३४–३२ सँ हराबैत फाइनलमे पहुँचल छल।
उपाधिसङे जनकपुर पाँच लाख टका प्राप्त केलक, उपविजेता काठमाण्डू दू लाख प्राप्त केलक अइछ । पहिल बेर आयोजित फ्रेन्चाइज कबड्डी लिगमे कुल छ टिम सहभागी भेल छल ।