
मलङ्गवा, सर्लाही, १९ माघ । गैरसरकारी संस्था महासङ्घ नेपाल सर्लाहीसहित विभिन्न सामाजिक सङ्घ–संस्थासभ वियाहके न्यूनतम उमेर २० वर्षके कायम राखबाक लेल सरकारकेँ आग्रह केलक अइछ ।
सरकार वियाहके हद उमेर घटा क १८ वर्ष कायम करएबला अध्ययादेश संसद्मे पेस केलक अइछ । सर्लाहीक १५ टा सङ्घ संस्थाक प्रतिनिधि सरकारसङे विआहके न्यूनतम उमेर २० वर्ष यथावत कायम राखबाक आग्रह कएने अइछ ।
गैसस महासङ्घके केन्द्रीय सदस्य लक्ष्मी सिंह नेतृत्वके एक टोली जिला प्रशासन कार्यालय सर्लाहीक प्रमुख जिला अधिकारी तुलसीबहादुर श्रेष्ठमार्फत ध्यानाकर्षण पत्र देलैन अइछ । संयुक्त रूपमे जारी प्रेस विज्ञप्तिमे बालवियाह बालबालिका आ किशोर–किशोरीके शारीरिक, मानसिक आ सामाजिक जीवनमे नकारात्मक प्रभाव होएबाक उल्लेख कएल गेल अइछ ।