प्रधानमन्त्रीद्वारा क्यान्सर विरुद्ध खोप अभियानक शुभारम्भ


काठमाण्डू, २२ माघः  प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली विश्व क्यान्सर दिवसके अवसरमे किशोरीसभकेँ पाठेघरके क्यान्सर विरुद्ध एचपिभी खोप अभियानक शुभारम्भ कएलैन अइछ।

बालुवाटार स्थित शिवपुरी उच्च माध्यमिक विद्यालयमे आइ आयोजित कार्यक्रममे काठमाण्डू महानगरपालिका-३ के स्वास्थ्यकर्मीसभकेँ खोप सामग्री प्रदान क अभियानक शुभारम्भ कएल गेल अइछ। सरकार किशोरीसभकेँ पाठेघरक मुखक क्यान्सरसँ बचेबाक लेल आइसँ फागुन ६ गते तक खोप अभियान संचालन क रहल अइछ। एहि अभियानअन्तर्गत देशभैरमे कक्षा ६ सँ १० के छात्रा आ विद्यालयसँ बाहर रहल १० सँ १४ वर्षक १६ लाख ८८ हजार ९०० किशोरीसभकेँ खोप देल जाएत।

स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालयक अनुसार नेपालमे प्रत्येक दिन पाठेघरके क्यान्सरसँ चाइर गोटे महिलाके मृत्यु होइत अइछ। ई क्यान्सर ह्युमन पापिलोमे भाइरस संक्रमणसँ होइ छै। नेपालमे महिलासभमे होएबला क्यान्सरसभमे पाठेघरके मुहके क्यान्सर दोसर स्थानमे अइछ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको