खानेपानी मन्त्रीक कार्यकक्षमे आइगलगीः पचास लाख बराबर क्षति


काठमाण्डू, २६ माघः खानेपानी मन्त्रालयमे आइ भोरे भेल आइगलगीमे करिब ५० लाख बराबरके क्षति भेल अइछ।
खानेपानी मन्त्री प्रदीप यादवक कार्यकक्षमे भेल आइगलगीमे दुइटा टेलिभिजन, एकटा डेस्कटप कम्प्युटर, पाइन धीपाबैबला मशीन, टेबल, सोफा, कुर्सीसभ, कार्पेट, क्लोज सर्किट क्यामेराक मोनिटर आदि सामग्री जइर गेल अइछ। मन्त्रालयक सहसचिव रमाकान्त दुवाडी अनुसार, मन्त्रीक कार्यकक्षमे लगभग ४० सँ ५० लाख टकाके क्षति भेल, मुदा प्रमाणित विवरण बाकी रहल बतौलैन ।
आइगलगीक कारण सेहो स्पष्ट भ सकल आ पुलिस जांच क रहल अइछ। आगलागीसँ मंत्रालयक कागजातसभमे सेहो क्षति नै भेल अइछ। आगलागीमे मन्त्री यादवक कार्यकक्ष सहित तीनटा कोठा क्षतिग्रस्त अइछ। खानेपानी मंत्रालयक भवनमे भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मंत्रालय सेहो स्थित अइछ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको