केकरो दबाबमे नै पइड़ नेपाल प्रहरीकेँ काज करबाक प्रधानमन्त्रीक निर्देशन


काठमाण्डू, २६ माघः कोनो तरहक दबाबमे नै पइड़ प्रमाण आ तथ्यपर आधारित न्यायसंगत जाँच करए लेल प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली नेपाल प्रहरीकेँ निर्देशन देलैन अइछ।भृकुटीमण्डप स्थित नेपाल प्रहरी क्लब परिसरमे निर्मित ‘द ब्लु पेभिलियन’ के उद्घाटन करैत प्रधानमन्त्री ओली विधिक शासन आ शान्ति-सुरक्षा बनाएबामे दृढ़तासँ आगाँ बढ़बाक निर्देशन देलैथ। ओ कहलैथ, “अपनेसभकेँ जनताके अपेक्षाक अनुसार चलबाक चाही। जनता प्रहरीसँ निष्पक्ष आ नीक व्यवहारक आशा राखैत अइछ। तेँ संविधान आ कानूनके पालन करैत देश आ जनताके हितकेँ धीयानमे राइख क काज करू।”
प्रधानमन्त्री आगाँ कहलैथ, “कोनो तस्कर, भ्रष्टाचारी आ ठगसभके निर्धक्क जाँच करू। देशमे शान्ति आ सुव्यवस्था बना क राखबाक सङे राष्ट्रीय हित आ एकताक धीयान द आओर प्रभावकारी ढंगसँ काज करू।” प्रधानमन्त्री ओली नेपाल प्रहरीकेँ सब प्रहरीके घरके रूपमे स्थापित करबाक महत्वपर जोड़ देलैथ। वि.सं २०७७ जेठ ११ गते शिलान्यास भेल ओइ पेभिलियन ७५ करोड़ ८७ लाख टकामे निर्माण भेल अइछ।
प्रधानमन्त्री ओली नेपाल प्रहरीक इतिहास भाग-२ के विमोचन करैत भवन निर्माणमे योगदान देनिहार अधिकारी, प्राविधिक आ निर्माणकर्तासभके सम्मानित केलैथ। ओही समारोहमे नेपाल प्रहरीक महानिरीक्षक वसन्तबहादुर कुँवर प्रधानमन्त्री ओलीके मार्फत प्रधानमन्त्री दैवीप्रकोप सहायता कोषमे ७४ लाख टकाके चेक हस्तान्तरण केलैथ। गृहमन्त्री रमेश लेखक नेपाल प्रहरी ऐन संशोधन विधेयक संसदमे पेश भेल आ एहि पर रचनात्मक सुझावसभकेँ परिमार्जन करैत शीघ्र पारित करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैथ। एहि कार्यक्रममे प्रधानमन्त्रीक मुख्य सलाहकार विष्णुप्रसाद रिमाल, सांसद ध्रुवबहादुर प्रधानसेहो उपस्थित छलैथ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको