
सिरहा, २८ माघः सिरहाक लहान नगरपालिका–१७ स्थित देवीदह संरक्षणक अभावमे दिने-दिन कुरूप भ रहल अइछ।
ई स्थल पर्यटकीय महत्त्वके रहितो बजेटक अभावमे पोखैरके चारूकातके भौतिक संरचना जीर्ण भ गेल अइछ। पूर्व–पश्चिम राजमार्ग स्थित लहान बाजारसँ छ किलोमीटर उत्तर चुरेक कातमे रहल ई दह यदि उचित रूपसँ संरक्षित कएल जाए, तँ आन्तरिक आ बाह्य पर्यटकसभके मुख्य घुमफिरके जगह बइन सकैत अइछ। देवीदह सामुदायिक वनके छ हेक्टर क्षेत्रफलमे फैलल ई सिमसार क्षेत्रक संरक्षण आ संवर्द्धन लेल लगातार प्रयास कएल गेल अइछ, मुदा उल्लेखनीय प्रगति नै भेल वन उपभोक्ता समूह आ देवीदह संरक्षण समितिक अध्यक्ष कपिलेश्वर यादव कहलैन। “ई दह धार्मिक आ ऐतिहासिक दृष्टिसँ प्रसिद्ध अइछ।
मेलाक अवसरमे आ पर-पावैनमे लोकसभक भीड़ लाइग जाइ छै। जनविश्वास छै जे एत कबुला कएलासँ मनोकामना पूरा होइत छै आ रोग-व्याधि दूर होइत छै,” ओ कहलैन। “मुदा बजेटक अभावमे संरक्षण संभव नै भ रहल छै। किछु संरचना जीर्ण भ गेल छै आ किछु अधूरे छै।” ओ कहलैन जे पोखैरके जलयात्राक लेल राखल गेल पाँचटा नाहमे मात्र दू टा संचालनमे अइछ।
नेपालक प्रथम राष्ट्रपति डा. रामबरण यादव अपन कार्यकालमे एहि क्षेत्रक भ्रमण कएने छलाह आ पोखरिक संरक्षण लेल ‘राष्ट्रपति चुरे विकाश कार्यक्रम’ अंतर्गत १ करोड़ ५९ लाख टाका बजेट विनियोजन कएल गेल छल। ई बजेटसँ पोखैर परिसरमे रामजानकी मन्दिर आ पेयजल व्यवस्थापन जकाँ काज पूरा कएल गेल अइछ। नेपाल पर्यटन बोर्डद्वारा २०७७ साल भादब १ गते देवीदह पोखरिक संरक्षण आ सौन्दर्यीकरण लेल ५ करोड़ २२ लाखक योजनामे समझौता भेल छल, मुदा कार्यान्वयन नै भ सकल। नगरपालिकाक ३० प्रतिशत आर्थिक उत्तरदायित्व पूरा नै करबाक कारण लहानके खुट्टीखोलासँ देवीदहधैर छ किलोमीटर सड़क पक्की, पोखरी परिसरमे ‘पेभिलियन’ भ्यू टावर, स्वीमिंग पुल जकाँ संरचनाक निर्माण रुकल अइछ, अध्यक्ष यादव कहलैन। ओ नगरप्रमुख महेश प्रसाद चौधरीसँ कतेको बेर आग्रह कएलैन, मुदा कोनो सुनवाई नै भेल बताैलैन।
देवीदहक विकाश लेल अपन स्तरसँ सहयोग करबाक बात ई वाडक वाडअध्यक्ष प्रथमलाल चौधरी कहलैन। ओ कहलैथ, “वाडके स्रोत आ साधन सीमिते छै, मुदा जतेक सम्भव अइछ, ततेक सहायता क रहल छी।” वितल वर्ष वाडके ८ लाख टकाके सहयोगसँ देवी मन्दिर निर्माण कएल गेल छल। चुरे क्षेत्रमे भूमिगत पाइनके सतह घटैत जा रहल एहन स्थितिमे पोखैरसभके संरक्षण आ संवर्द्धन लेल तीनू स्तरक सरकार प्राथमिकता देबाक जरुरी अइछ, वाडअध्यक्ष चौधरी कहलैन।