
वीरगञ्ज, २८ माघ : मधेश प्रदेशक सर्वाधिक धनराशी वाला दोसर वीरगञ्ज गोल्डकप २०८१ फागुनक दोसर सप्ताहसँ वीरगञ्जक आर्दशनगर रंगशालामे आयोजित हएत ।
ई प्रतियोगिता भेट्रान सिटी क्लब वीरगञ्जक आयोजनामे फागुन १७सँ २४ गतेधैर चलत, जाहिमे राष्ट्रीय स्तरके आठ टा फुटबॉल टीम भाग लेत। प्रतियोगिता नकआउट चरणमे खेलाएल जाएत । मधेश प्रदेशमे फुटबॉल खेलक संस्कृति विकसित करबाक उद्देश्यसँ ई गोल्डकप आयोजित भ रहल अइछ। प्रतियोगितामे संकटा फुटबॉल क्लब, मछिन्द्र फुटबॉल क्लब, बागमती युथ क्लब सर्लाही, नेपाल प्रहरी क्लब, गरवाल डाइमण्ड फुटबॉल क्लब दिल्ली, एपिआई चर्च ब्वाइज युनाइटेड काठमाण्डू, सलहेश फुटबॉल क्लब सिरहा आ आयोजक वीरगञ्ज युनाइटेड क्लब भाग लेत। विजेता टीमकेँ ११ लाख ११ हजार एक सओ एघार टका नगद, ट्रॉफी, मेडल आ प्रमाणपत्र देल जत, जखन कि उपविजेता टीमकेँ ५ लाख ५५ हजार पाँच सओ ५५ टका नगद सङ ट्रॉफी, मेडल आ प्रमाणपत्र देल जाएत।
प्रतियोगिता आयोजनाक लेल आर्दशनगर रंगशालाक मर्मत कार्य अन्तिम चरणमे अइछ, सङे दर्शकसभक सुविधा लेल अस्थायी प्याराफिट निर्माण काज तीव्र गतिसँ चइल रहल अइछ। अस्थायी प्याराफिटमे लगभग दू हजार आ ग्राउंडमे तीन हजारसँ बेसी दर्शक बैस सकत। आयोजनाक मुख्य प्रायोजक वीरगञ्ज महानगरपालिका अइछ आ पूरा प्रतियोगिता संचालन करबाक लेल लगभग एक करोड़ टका खर्च होबाक अनुमानित अइछ।
वीरगञ्जमे पूर्वमे सहिद तेजबहादुर अमात्य गोल्डकप, विशाल मेमोरियल गोल्डकप जकाँ चर्चित प्रतियोगिता भेल छल, मुदा पछिला समय फुटबॉल गतिविधि सुस्त पड़ल छल। आयोजकसभक अनुसार, ई गोल्डकप स्थानीय खेलाड़ीसभक प्रतिभा निखारबाक उचित मंच प्रदान करत। पहिल वीरगञ्ज गोल्डकप २०८० कातिक महिनामे भेल छल, जाहिमे नेपाल प्रहरी क्लब विजेता आ नेपाल आर्मी क्लब उपविजेता भेल छल।