आज विश्व रेडियो दिवस


काठमाण्डू, १ फागुन: आइ विश्वभैर विभिन्न चेतनामूलक कार्यक्रमसभ क विश्व रेडियो दिवस मनाएल जा रहल अइछ।
संयुक्त राष्ट्रसंघक शैक्षिक, वैज्ञानिक आ सांस्कृतिक संगठन (युनेस्को)के आह्वानमे तेजीसँ बदलैत विश्वमे जलवायु परिवर्तनसँ उत्पन्न समस्या आ ओकर अनुकूलनके बारेमे जागरूकता फैलाबै लेल रेडियो कार्यक्रम प्रसारण क एहि दिवसके मनाएल जा रहल अइछ।  साल २०११ मे युनेस्कोक सदस्य राष्ट्रसभ फेब्रुअरी १३केँ अन्तरराष्ट्रीय रेडियो दिवसक रूपमे मनाबैके प्रस्ताव राखने छल, मुदा राष्ट्रसंघक महासभाद्वारा २०१२मे स्वीकृति देलाक बाद ई दिवस मनाएल जाए लागल।
लोकतान्त्रिक बहस लेल एकटा शक्तिशाली माध्यम मानल जाएबला रेडियो जनसंचारक सशक्त माध्यम छी। ई सबसँ बेसी श्रोताधैर पहुँचल सकैत अइछ आ विश्व स्तरपर सबसँ बेसी सुनल जाएबला माध्यम छी। रेडियो समाजक विविधताकेँ बना क राखैमे, एकताके मजबूती देबामे, आवाजविहीनके आवाज बनेबामे, प्रतिनिधित्व करैमे आ लोकके सुने-सुनाबैमे महत्वपूर्ण भूमिका निभौने अइछ। विपत्तिके समय आ दूरस्थ ग्रामीण क्षेत्रसभमे लोकक नित्यसंगी बनल रेडियो सूचनाक प्रसार, मनोरंजन आ शिक्षा देबामे प्रशंसनीय योगदान द रहल अइछ। सकारात्मक संवादकेँ बढ़ावा देबै सेहो रेडियोके महत्वपूर्ण मानल जाइत अइछ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको