तेह्र लाख किशोरीकेँ लगाएल गेल एचपिभी खोप


काठमाण्डू, ४ फागुनः पाठेघरके क्यान्सरसँ बचबाक उद्देश्यसँ स्वास्थ्य आ जनसंख्या मन्त्रालयद्वारा संचालित एचपिभी खोप अभियान अंतर्गत १३ लाख किशोरी खोप प्राप्त केने अइछ।

अभियानक १२म् दिन शैनदिनधैर १३ लाख किशोरी खोप लगाैने स्वास्थ्य सेवा विभागक परिवार कल्याण महाशाखा प्रमुख डा. विवेककुमार लाल जानकारी देलैन। स्वास्थ्य आ जनसंख्या मन्त्री प्रदीप पौडेल एखनधैर अभियानकेँ सफल बनेबाक लेल खइट रहलसभ स्वास्थ्यकर्मी, स्वयंसेवक, सहयोगी विद्यालय आ अन्य सहयात्रीसभक अनवरत मेहनतप्रति आभार प्रकट केलैन। माघ २२ गतेसँ शुरू भेल ई अभियान फागुन ६ गतेधैर चलत। अभियानक अन्तर्गत कक्षा ६ सँ १० धैरके छात्रा आ १० सँ १४ वर्षक किशोरीकेँ स्थानीय स्तरमे अवस्थित केन्द्रसभमे खोप देल गेल अइछ। मन्त्री पौडेलक सचिवालयक अनुसार अभियानक लक्ष्य करीब १७ लाख किशोरीकेँ खोप द पाठेघरके क्यान्सरसँ बचेबाक अइछ। देशमे ई रोगक कारण महिलासभके मृत्युदर उच्च अइछ, तँए बाल्यकालमे खोप द ई समस्या कम करबाक योजना अन्तर्गत निरोधात्मक कार्यक्रम सरकारद्वारा संचालित अइछ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको