
जनकपुर, ५ फागुनः मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह प्रादेशिक राजधानी जनकपुरधामस्थित निजी अस्पतालसभके अनुगमनकेँ रैवदिनसेहो निरन्तरता देलैन अइछ ।
प्रदेशक स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्यामन्त्री शत्रुधनप्रसाद सिंह आ मन्त्रालयक अधिकारीसभसहित नौटा अस्पतालमे पहुँच ओ अनुगमन केलैथ । मुख्यमन्त्री सिंहके टोली जनकपुरधामक ब्रह्मपुरीस्थित कृष्णा मेडिकल एन्ड टेक्निकल रिसर्च सेन्टर, ब्रह्मपुरीमे रहल गीताश्री इएनटी स्पेसियालिटी क्लिनिक प्रालि आ नवजीवन हस्पिटल, साकेतनगरस्थित वैदेही हस्पिटल प्रालि, जनक मेमोरियल हस्पिटल आ जनकपुर मोडल हस्पिटल, रामानन्दचाैक लग जनकपुर गोदावरी हस्पिटल, कृष्ण हस्पिटल प्रालि आ एडभान्स सिटी स्क्यानके अनुगमन केलैन अइछ ।
अनुगमन कएल अस्पतालमध्ये जनक मेमोरियल हस्पिटल, जनकपुर मोडल हस्पिटल, जनकपुर गोदावरी हस्पिटल आ कृष्णा हस्पिटल प्रालि बन्द कएल गेल अइछ । ब्रह्मपुरीस्थित कृष्णा मेडिकल एन्डटेक्निकल रिसर्च सेन्टरकेँ गन्दासभके अलगे व्यवस्थापन करबाक निर्देशन देल गेल अइछ । दर्ता नै रहल ब्रह्मपुरीस्थित गीताश्री इएनटी स्पेसियालिटी क्लिनिक प्रालिकेँ कागजपत्र ल क सोमदिन ११ बजे मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्के कार्यालयमे बजाएल गेल अइछ ।
ब्रह्मपुरीस्थित नवजीवन हस्पिटल वितल चाइर वर्षसँ आ साकेतनगरस्थित वैदेही हस्पिटल प्रालि दू वर्षसँ नवीकरण नै कएल गेलासँ सोमदिन ११ बजे कागजपत्रसहित सञ्चालककेँ मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्के कार्यालयमे बोलाएल गेल अइछ । एडभान्स सिटी स्क्यान दू वर्ष छ महिनासँ नवीकरण नै केने अइछ ।
आइसँ बन्द कएल गेल जनकपुर मोडल हस्पिटलका सञ्चालककेँ अस्पतालमे जडान कएल सिसीटिभीके शैनदिन आ रैवदिनके फुटेज ल क मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्के कार्यालयमे बोलाएल गेल स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालयके अस्पताल अनुगमन समितिक सदस्यसचिव सन्तोष ठाकुर जानकारी देलैन अइछ । बन्द अवस्थामे सेहो अस्पतालमे बेमारके इलाज भ रहल आशङ्कामे अस्पताल सञ्चालककेँ सिसीटिभी फुटेजसहित बोलाएल गेल ठाकुर बताैलैन अइछ ।