
गण्डकी, ८ फागुनः पोखरा विश्वविद्यालयक २०म् दीक्षान्त समारोहमे सात हजार ८७२ विद्यार्थीसभ दीक्षित भेल अइछ।
पोखरा महानगरपालिका–३० ढुङ्गेपाटन स्थित विश्वविद्यालयक केन्द्रीय कार्यालयमे आयोजित विशेष समारोहमे कुलपति आ प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली विद्यार्थीसभके दीक्षित करौलैन । एहि विश्वविद्यालय अन्तर्गत विभिन्न क्याम्पससँ स्नातक, स्नातकोत्तर आ विद्यावारिधि तह उत्तीर्ण कएल विद्यार्थीसभ आइ दीक्षित भेल अइछ। विश्वविद्यालयक अनुसार, पोखरा विश्वविद्यालय अन्तर्गत देशभैर संचालित क्याम्पसभमे विभिन्न ६८ विषयमे लगभग ४० हजार विद्यार्थी अध्ययनरत छैथ। दीक्षान्त समारोहमे प्रधानमन्त्री ओलीद्वारा सम्बोधन करबाक कार्यक्रम छल।