
काठमाण्डू, ९ फागुनः आइ अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस नेपालसहित विश्वके विभिन्न देशमे भाषिक जागरुकता, संस्कृतिक विविधता आ बहुभाषावाद प्रवर्द्धनसम्बन्धी विविध कार्यक्रम आयोजना क मनाएल जाइत अइछ ।
विविधतामे एकता आ अन्तर्राष्ट्रिय समझदारीकेँ प्रवर्धन करबाक ई दिवसके मुख्य उद्देश्य छी । सन् १९९९ के नोभेम्बरमे बङ्गलादेश अन्तरराष्ट्रिय मातृभाषा दिवस मनेबाक कएल गेल प्रस्तावकेँ संयुक्त राष्ट्रसङ्घीय शैक्षिक, वैज्ञानिक तथा सांस्कृतिक सङ्गठन (युनेस्को) अनुमोदन कएलक बाद ई दिवस मनाएल जा रहल अइछ । यद्यपि संयुक्त राष्ट्रसङ्घके महासभामे सन् २००२ मे ई दिवसके घोषणा केने छल ।
आइ भाषासभ विकाश, सांस्कृतिक विविधता आ अन्तरसांस्कृतिक संवाद सुनिश्चित करबाक लेल पेरिसस्थित युनेस्कोके प्रधानकार्यालयमे ‘प्राविधिक संवाद, उच्चस्तरीय बातचित सत्र आ सांस्कृति प्रदर्शन’ लगायत विविध कार्यक्रम आयोजना क अन्तरराष्ट्रिय मातृभाषा दिवस रजत जयन्ती समारोह मनाबैत अइछ । युनेस्कोके अनुसार ओइ समारोह सबहक लेल गुणस्तरीय शिक्षा, समावेशी समाज निर्माण, सांस्कृतिक सम्पदाके संरक्षण करब, टिकाउ विकाशमे विज्ञान आ प्रविधिके उपयोग एवम् बहुभाषिकता आ बहुसांस्कृतिकता प्रवर्द्धनमे केन्द्रित हएत ।