बलात्कार घटनाक अपराधीके सख्त कार्वाही हयातः मन्त्री लेखी


जनकपुरधाम, ९ फागुन । मधेश प्रदेश सरकारक गृह, सञ्चार तथा कानुन मन्त्री राजकुमार लेखी सिरहाक नवराजपुरमें दलित किशोरीके बलात्कार आ शंकास्पद हत्याक घटनामे संलग्न अपराधीके कोनो हालतमें छुट नइँ देल जेबाक बात बतौलक अइछ ।
मन्त्रालयमें शुक्र दिन आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे मधेशके जिलामें बलात्कार जँका घिनौन अपराध करनिहारके केकरो राजनीतिक संरक्षण नइँ देबए आग्रह कएलक । अपराधी कोनो पार्टीके होय, ओकरा कानूनके हिसाबे सख्त सजाय देल जायत से कहलक ।
पञ्चैती कइरके डेढ–दू लाख टाकामें मामला मिलेबाक प्रयास भ रहल कहैत कोनो व्यक्ति अपराध छुपेबामें संलग्न होयत त ओकरो उपर कानूनी कारबाइ कएल जेबाक बात बतौलक । घटना गम्भीरतापूर्वक अनुसन्धान करए प्रहरी लागल जानकारी दैत मन्त्री लेखी जघन्य घटनाप्रति हम बहुत चिन्तित रहल ओ जानकारी देलक ।
मधेश प्रदेश के प्रहरी प्रमुख लालमणी आचार्य कहलक जे अपराधीके खोजबीन खातिर विशेष टोली बनाओल गेल अइछ । अपराधीके पकैरके कानुनी दायरामे लेल जेबाक ओ जानकारी देलक ।
गत माघ ३० गते जे सिरहाके नवराजपुरमें ई दर्दनाक घटना भेल छल । ओइ घटनाके विषयमे मन्त्री लेखी, सचिव उद्वव प्रसाद रिजाल आ अन्य अधिकारी सभ ओतय पहुँचकए जानकारी लेने छल ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको